बिहार कोकिला शारदा सिन्हा भेलि कोरोना पॉजिटिव

बिहारक जानल-मानल लोक गायिका पद्म भूषण सं सम्मानित शारदा सिन्हा (Sharda Sinha) कें कोरोनाक संक्रमण भ' गेल अछि। ओ एकर जानकारी अपने वीडियो जारी क' देलनि।

0
204

बिहारक जानल-मानल लोक गायिका पद्म भूषण सं सम्मानित शारदा सिन्हा (Sharda Sinha) कें कोरोनाक संक्रमण भ’ गेल अछि। ओ एकर जानकारी अपने वीडियो जारी क’ देलनि। वीडियो मे ओ कहलनि जे बचावक सब संभव प्रयासक बावजूद ई महामारी केर चपेट मे आबि गेलाउ।

शारदा सिन्‍हा बिहार कोकिला कें नाम सं सेहो जानल जायत छथिन। ओ समस्तीपुर मे प्रोफेसर छथि। हुनक पति ब्रजकिशोर सिन्हा शिक्षा विभागक सेवानिवृत्त अधिकारी छथि। अयोध्‍या मे राम जन्मभूमि पर मंदिर निर्माणक भूमि पूजन वला दिन पांच अगस्‍त क’ ओ बहुत चैनल पर लाइव आयल छलि। जखन, कोरोना काल मे अधिकांश समय पटना कें अपन घर पर छलि।

शारदा सिन्‍हा कें छठ गीतक अलबम जखन 80 कें दशक मे आयल, तखन ओ धूम मचा देलक। 1977 मे ओ अपन छठ गीतक पहिल अल्बम रिकॉर्ड केने छलि, जाहिमे ”सूप लेले घाट पर… मोरा भईया जाला…” जेहन गीत छल। हुनक पहिल अल्बम एचएमवी सं निकलल, मुदा बाद मे 1985 सं 2006 धरि ओ टी-सीरीज कें लेल छठ गीत गाबैत रहलि। ओ बॉलीवुड मे सेहो सलमान खान आ भाग्यश्री अभिनीत गीत ‘पग पग लिए जाऊं…’ कें गाना गेने छलि ।