कोरोना वायरस महामारी केर बीच रिलायंस जियो प्लेटफॉर्म्स मे फेसबुकक 43,574 करोड़ रुपयाक निवेश, ई साबित करैत अछि जे विदेशी कंपनी सब कें भारतीय अर्थव्यवस्थाक क्षमता आ भविष्य मे एकर विकास पर पूर्ण भरोसा अछि. ई संकट भारत कें लेल एकटा अवसरक रूप मे सेहो सामने आयल अछि. भारत केंद्रित एक अमेरिकी बिजनेस एडवोकेसी ग्रुप ई बात कहलक अछि.

संभव अछि जे कोरोना संकटक बीच अमेरिकाक दिग्गज टेक कंपनी फेसबुक रिलायंस इंडस्ट्रीज समूहक केर कंपनी जियो प्लेटफॉर्म्स मे निवेशक ऐलान केलक अछि. दुनू दिग्गज कंपनी मे एकटा डील भेल अछि जकर तहत रिलायंस समूह केर कंपनी जियो प्लेटफॉर्म्स मे 43,574 करोड़ रुपयाक निवेश सं फेसबुक 9.99 फीसदी हिस्सेदारी ख़रीदत.

एहि तरहक एकटा खबरि इहो अछि जे बहुते बहुराष्ट्रीय कंपनी सबहक कोरोनाक वजह सं चीन पर भरोसा कम भेल अछि आ एहन लगभग 300 कंपनी अपन मैन्युफैक्चरिंग भारत आनबाक तैयारी क’’ रहल अछि. कोरोना वायरस केर कारण सं चीन मे विदेशी कंपनी सब कें बेसी दिक्कत केर सामना करय पड़ल अछि. एहि माहौल मे लगभग 1000 विदेशी कंपनी भारत मे एंट्री करबाक सोचि रहल अछि. ओहि मे सं करीब 300 कंपनी भारत मे फैक्ट्री लगएबा लेल पूरा मूड बना चुकल अछि.

भारत लेल अछि अवसर

अमेरिका-भारत रणनीतिक आ साझेदारी मंच (USISPF) केर अध्यक्ष मुकेश अघी कहलनि जे कोविड-19 संकटक चलते भारत कें विदेशी निवेश जुटाबय आ दुनिया केर विनिर्माण केंद्रक रूप मे चीनक जगह लेबाक एक नीक अवसर अछि.’

अघी कहलनि,, ‘हमरा पूर्ण विश्वास अछि जे एक बेर जखन कोविड-19 संकट समाप्त भ’ जायत, तखन भारत लग सैकड़ो विदेशी कंपनी कें आकर्षित करबाक अवसर होयत. ओ कहलनि, अहि सं ने सिर्फ रोजगार मिलत, अथवा निवेश सेहो आयत आ भारतीय अर्थव्यवस्थाक गति सेहो तेज होयत.