इंडियन मेडिकल एसोसिएशन (आइएमए), बिहार राज्य सरकार सं कोरोना संक्रमण सं मरय वला सरकारी आ निजी डॉक्टर कें प्रधानमंत्री गरीब कल्याण योजना कें तहत घोषित दुर्घटना बीमाक राशिक भुगतानक मांग केलक। आइएमए, बिहार अपन मांगक पूर्ति कें लेल स्वास्थ्य मंत्री मंगल पांडेय आ स्वास्थ्य विभाग कें प्रधान सचिव प्रत्यय अमृत कें पत्र लिखने अछि।

बिहार कें सचिव डॉ. सुनील कुमार बतओलनि जे आइएमए कें कहबाक अछि जे केंद्र सरकार द्वारा घोषित ई बीमा योजनाक शर्त कें राज्यक सभ’ सरकारी आ निजी डॉक्टर पूरा करैत अछि। ओतय, बिहार सरकार सेहो 17 मार्च 20 कें अधिसूचित ‘ बिहार ईपीडिमिक डीजिज कोविड-19 नियमावली,2020’ मे उल्लेख कयल गेल जे सभ’ अस्पताल (सरकारी आ निजी) मे फ्लू कॉर्नर भेनाइ अनिवार्य अछि, जतय कोविड-19 सं संबंधित रोगि कें स्क्रीनिंग कयल जायत। एना नहि केला पर दंड कें प्रावधान कयल गेल अछि। राज्य कें सभ’ निजी डॉक्टर आ अस्पताल कोरोना कें इलाज मे जुटल अछि।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु