हम बिहारक कोनो विधानसभा सीट सं चुनाव लड़ि क’ जीत सकैत छी : गुप्तेश्वर पांडेय

बीतल मंगलदिन बिहारक डीजीपी पद सं स्वैच्छिक सेवानिवृत्ति (वीआरएस) लेबाक बाद गुप्तेश्वर पांडेय एक बेर फेर अपन राजनीतिक पारी कें बारे मे खुलि क' बात केलनि।

0
430

बीतल मंगलदिन बिहारक डीजीपी पद सं स्वैच्छिक सेवानिवृत्ति (वीआरएस) लेबाक बाद गुप्तेश्वर पांडेय एक बेर फेर अपन राजनीतिक पारी कें बारे मे खुलि क’ बात केलनि। राजनीतिक पार्टी मे शामिल होबय आ चुनाव लड़बाक सवाल पर गुप्तेश्वर पांडेय कहलनि जे की ई अवैध अछि?

देल गेल इंटरव्यू मे पूर्व डीजीपी गुप्तेश्वर पांडेय कहलनि जे बिहारक जनता हमरा सं बहुत प्रेम करैत छथि । हम जदि चुनाव लड़ि त’ जीत सकैत छी। चुनाव सं हमर वीआरएस कें जोड़नाइ गलत अछि। ओ आगू कहलनि जे हमर खिलाफ रोज अफवाह उड़ा क’ हमरा विवादित बनाओल जा रहल अछि । हमर खिलाफ विपक्ष, चुनाव आयोग सं शिकायत करता आ अगर चुनाव आयोग हमरा हटा दैत त’ हमर कतैक बेइज्जती होइत। 34 साल धरी बेदाग रहलऊ, मुदा अहि तरहक माहौल बना देल गेल जे निर्वाचन आयोग कें हमरा हटाबय पड़लइ।

ओ कहलनि जे हमर खिलाफ साजिश भ’ रहल छल। हमरा अपमानित क’ हटे बाक प्लान छलइ। हम समैझ बुइझ गेलाउ आ हम वीआरएस लेबाक निर्णय केलउ। कोनो राजनीतिक दल मे शामिल भ’ जेनाइ आ चुनाव लड़नाइ, पाप अछि की? जदि हम चुनाव मे जेबाक फैसला करैत छी त; अहिमे की अनैतिक आ अवैध अछि।

गुप्तेश्वर पांडेय आगू कहलनि जे हम बिहारक कोनो विधानसभा सीट सं चुनाव लड़ि क’ जीत सकैत छी, ओहो निर्दलीय। 14 सीट सं चुनाव लड़बाक ऑफर अछि, मुदा हम अखन राजनीति मे जेबाक निर्णय नहि केने छी। जे होयत, पहिने अपन लोक सं सलाह मशविरा करब फेर एकर ऐलान करब।

वीआरएस कें एक्टर सुशांत सिंह राजपूत केस सं जोड़बाक जरूड़त नहि
पूर्व डीजीपी गुप्तेश्वर पांडेय कहलनि जे हमर वीआरएस कें एक्टर सुशांत सिंह राजपूत केस सं जोड़ेबाक जरूड़त नहि अछि। सुप्रीम कोर्ट सेहो कहलनि जे हम जे केलऊ , ओ सही केलऊ। जखन हमरा उपर नैतिक दबाव आयल त’ हम हंगामा शुरू केलऊ। एकरा बाद हमर आईपीएस अधिकारी कें मुंबई पुलिस छोड़लक।

अहाँ अपन विचार लिखु

एतय अहाँ अपन विचार दियौ!
दया कय एतय अहाँ अपन नाम लिखू