भारत मे एक बेर फेर सं 47 चीनी ऐप्स बैन करबाक फैसला लेल गेल अछि. ई ऐप्स किछू समय पहिने बैन कयल गेल ऐप्स कें क्लोनक तौर पर काज क’ रहल छल. सरकार एकरा सं पहिने 59 ऐप्स बैन केने छल, जाहिमे बहुत रास पॉपुलर ऐप्स शामिल अछि.
अहिमे टिक टॉक, वी चैट सं ल’ अली बाबा कें ऐप्स यूसी न्यूज आ यूसी ब्राउजर शामिल अछि. सरकारक सूत्र कें मुताबिक 250 एहन चीनी ऐप्स अछि जकरा नेशनल सिक्योरिटी कें वॉयलेशन क’ ल’ जांच कयल जा सकेत अछि.
सूत्रक मुताबिक चीनी ऐप्स कें नबका लिस्ट तैयार कयल जा रहल अछि आ अहिमे किछू टॉप गेमिंग ऐप्स सेहो शामिल अछि. मुमकिन अछि अगला लिस्ट एबाक बाद भारत मे बहुत पॉपुलर चीनी गेम्स सेहो बैन कयल जा सकेत अछि .
रिपोर्टक मुताबिक़ अहि बेर 200 सं अधिक ऐप्स केर लिस्ट बनाओल जा रहल अछि जाहिमे पबजी आ अली एक्सप्रेस जेहन पॉपुलर ऐप्स शामिल भ’ सकेत अछि. भारत मे अहि ऐप्स कें करोड़ों मे यूज़र्स अछि.
रिपोर्टक मुताबिक ई ऐप्स चीन संगे कथित तौर पर डेटा शेयर क’ रहल अछि आ अहि कारण सं सरकारी एजेंसियां एकर रिव्यू मे लागल अछि. अखन सरकारक ओर सं नबका ऐप्स बैन क’ ल’ कोनो स्टेटमेंट जारी नै कयल गेल अछि .
आब सवाल ई अछि जे की पबजी क’ सेहो अहि बेर बैन क’ देल जायत ? किएक पबजी कें सेहो बहुत कनेक्शन चीन सं जुड़ल अछि, तखनो ई ऐप पूर्ण तरहे चीनी नै कहल जा सकेत अछि.