बिहार मे कोरोनाक जांच कें लेल सरकारी एम्बुलेंस सेवा सेहो उपलब्ध कराओल जायत। उच्च जोखिम वला मरीज कें कोरोनाक जांच लेल एम्बुलेंस सेवा उपलब्ध करेबाक निर्णय लेल गेल अछि।

स्वास्थ्य विभागक तहत संचालित राज्य स्वास्थ्य समितिक कार्यपालक निदेशक सह स्वास्थ्य विभाग कें अपर सचिव मनोज कुमार निर्देश देलनि जे कोरोनाक जांच लेल उच्च जोखिम वला लोकक लेल एम्बुलेंस कें सेवा उपलब्ध कराओल जायत।

स्वास्थ्य विभागक आधिकारिक सूत्रक अनुसार गर्भवती महिला वा पूर्व सं कोनो गंभीर रोग सं पीड़ित व्यक्ति कें कोरोनाक जांच लेल संबंधित जिलाक टोल फ्री नम्बर पर सूचना द’ सकेत अछि। एकरा बाद कोरोनाक जांच कें लेल मोबाइल टीम कें रवाना कयल जायत। आ एंटीजेंन किट सं तत्काल हुनक जांच होयत।

जानकारीक अनुसार उच्च जोखिम वला मरीज मे गर्भवती महिला आ गंभीर रोगक मरीज शामिल अछि। अहि मरीजके अस्पताल आबि कोरोनाक जांच करेबाक
कोनो जरूरत नै अछि। एकर जांच कें लेल एम्बुलेंस सं जांच टीम कोरोनाक सैम्पल ल’ एंटीजन किट सं जांच करत।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु