मैथिली सहित 24 टा भाषाके गूगल ट्रान्सलेटमे जोड़ल जा रहल छै।

0
347

गूगल घोषणा कयलक अछि जे ओ 24 टा नवका भाषाके गूगल ट्रान्सलेटमे जोड़त। जाहि अपन सभक माय समान मातृभाषा मैथिली तँ अछिये सङ्गहि असमके भाषा असामीज, संस्कृत सहित भारतीय मूलक 8 टा भाषा जोड़ल जा रहल अछि।

गूगल ट्रान्सलेटमे मैथिली अयला सँ स्कूलमे पढ़य वला बच्चा सभकेँ खूब सुविधा हेतय। एखनि मजबूरीमे हमसभ अपन मातृभाषामे नहि पढ़ि सकैत छी, बुझयमे असुविधा होइत छल किएकी मैथिली नहि छल। अंग्रेजीक कोनो शब्दक अर्थ बुझबाक लेल आन भाषा सभ पर निर्भरता छल। आब इ समस्या दूर भ’ जायत। हमसभ दुनियाके 130 सँ बेसी भाषा सँ सोझे मैथिलीमे अनुवाद कय सकब।

11 मई 2022के गूगल ट्रान्सलेटके सीनियर सॉफ्टवेयर इंजीनियर Isaac Caswell घोषणा कयलनि जे गूगल ट्रान्सलेटमे 24 टा नव भाषा जोड़ल जा रहल अछि। जाहिमे मैथिली भाषा सेहो अछि।

मैथिलीके विषयमे Isaac Caswell लिखैत छथि जे

Maithili, used by about 34 million people in northern India

हुनकर पूरा पोस्ट एतय क्लिक कय पढ़ि सकैत छी।

गूगलके ब्लॉग सँ