बिहारक दरभंगा एयरपोर्ट सं आम आदमी केर उड़ान भरबाक सपना जल्द पूरा भ’ सकत। एयरपोर्ट अथॉरिटी ऑफ इंडिया ट्वीट करैत एकर संकेत देलक।

एयरपोर्ट अथॉरिटी ऑफ इंडिया(Airports Authority of India) ट्वीट करैत लिखलक जे दरभंगा हवाई अड्डा सं जल्द नागरिक उड्डयन अभियान शुरू होयत। क्षेत्रीय कनेक्टिविटी योजना (RCS) कें तहत मिनिस्ट्री ऑफ सिविल एविएशन(MoCA) आ एयरपोर्ट अथॉरिटी ऑफ इंडिया(AAI) दरभंगा सं अन्य हवाई अड्डाक हवाई संपर्क प्रदान करबाक लेल बिहार सरकार सं हाथ मिलोने अछि।

अहिसँ पहिने एएआई लिखक जे 92 करोड़क लागत सं दरभंगा मे एकटा अंतरिम सिविल एन्क्लेव कें निर्माण कराओल जा रहल अछि। एकटा पूर्वनिर्मित टर्मिनल कार पार्क संगहि बोइंग 737-800 विमान उतरबाक आ टैक्सीवे कें जोड़य समेत रनवे कें मजबूत करबाक संगे एकटा नव एप्रन कें निर्माण कयल जा रहल अछि।

एएआई लिखलक जे भारतीय वायुसेना सं संबंधित दरभंगा एयरपोर्ट कें रनवे 9000 फीटक अछि। एकरा उड़ान योजनाक तहत दिल्ली सं दरभंगा कनेक्टिविटी कें तहत चुनल गेल अछि। अहि पर स्पाइसजेट अपन सेवा दैत।

उल्लेखनीय अछि जे स्पाइज जेट कें दरभंगा एयरपोर्ट सं मुम्बई, बंगलुरू आ दिल्ली रूट पर रिजनल कनेक्टिविटी स्कीम कें तहत विमान सेवा शुरू करबाक इजाजत देल गेल अछि।

शेड्यूलक अनुसर पहिल विमान दरभंगा एयरपोर्ट पर बेंगलुरू सं भोर 11.15 बजे पहुँचत जे दरभंगा सं 11.45 बजे बंगलुरू कें लेल उड़ान भरत। मुम्बई दरभंगा विमान सेवा कें तहत दिल्ली सं उड़ि क’ 12.10 बजे विमान दरभंगा एयरपोर्ट पहुंचत जखन ई 12.40 बजे मुम्बई कें लेल दरभंगा सं उड़ान भरत। सबसा अंत मे दिल्ली सं दरभंगा कें लेल उड़ान उपलब्ध होयत। दरभंगा मे दिल्ली सं साँझ 3.55 बजे विमान पहुंचत आ ई 4.25 बजे दिल्ली कें लेल उड़ान भरत।