कोरोना काल मे भारतीय रेलवे विशेष ट्रेनक संग भीड़भाड़ वला रूट पर 20 जोड़ी क्लोन ट्रेन चलेबाक फैसला केने अछि। अहिमे अधिकांश ट्रेन बिहार कें जोड़य वला अछि। 21 सितंबर सं एकर परिचालन शुरू होयत। अहिमे अग्रिम आरक्षणक अवधि 10 दिनक होयत। ई मौजूदा विशेष ट्रेन वा श्रमिक विशेष ट्रेन सं अलग होयत। एकरा लेल आरक्षण 19 सितंबर सं शुरू होयत।
बीस जोड़ी यानी 40 ट्रेन मे 19 जोड़ी ट्रेन मे हमसफर कोच होयत आ ओकर किराया सेहो हमसफर ट्रेनक बराबर होयत। जखन एकटा ट्रेन नई दिल्ली सं लखनऊ कें बीच जनशताब्दी कोच चलत आ ओकर किराया जनशताब्दी कें बराबर होयत। रेल मंत्रालय मंगलदिन अहि 20 जोड़ी कुल 40 ट्रेनक ब्योरा जारी केने अछि। ट्रेनक स्टॉप सीमित होयत। सभ’ ट्रेन पूर्ण तरहे आरक्षित श्रेणीक होयत।
जाहि क्लोन ट्रेन केर घोषणा कयल गेल अछि ओ अहि प्रकार अछि:
नईई दिल्ली- सहरसा- नई दिल्ली
नई दिल्ली-राजगीर-नई दिल्ली
नई दिल्ली- दरभंगा- नई दिल्ली
दिल्ली-मुजफ्फरपुर-दिल्ली
नई दिल्ली-राजेंद्र नगर-नई दिल्ली
दिल्ली-कटिहार-दिल्ली
न्यू जलपाईगुड़ी-अमृतसर-न्यू जलपाईगुड़ी
जयनगर-अमृतसर-जयनगर
वाराणसी-नई दिल्ली-वाराणसी
बलिया-दिल्ली- बलिया
नई दिल्ली-लखनऊ-नई दिल्ली
सिकंदराबाद-दानापुर-सिकंदराबाद
वास्को-निजामुद्दीन-वास्को
बेंगलुरु-दानापुर- बेंगलुरु
यशवंतपुर-निजामुद्दीन-यशवंतपुर
अहमदाबाद-दरभंगा-अहमदाबाद
अहमदाबाद-दिल्ली-अहमदाबाद
सूरत-छपरा-सूरत
बांद्रा-अमृतसर-बांद्रा
अहमदाबाद-पटना-अहमदाबाद