पूर्व राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी कोरोना वायरस (COVID-19) सं संक्रमित भ’ गेलाह अछि। हुनक कोरोना जांच रिपोर्ट पॉजिटिव आयल अछि। ओ ट्वीट क’ एकर जानकारी देलैथ।

प्रणब मुखर्जी ट्वीट क’ कहलनि, ‘एकटा अस्पतालक दौरा पर हम कोविड-19 पॉजिटिव पाओल गेलउ। पिछला सप्ताह हमर संग संपर्क मे आयल ओ सभ’ लोक सं हमर अनुरोध अछि जे ओ अपनाके आइसोलेट क’ लि आ कोरोनाक जांच कराबि।


 
अहिसँ पहिने केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाह, पेट्रोलियम मंत्री धर्मेंद्र प्रधान, जल संसाधन मंत्री अर्जुन मेघवाल सेहो कोरोना सं संक्रमित पाओल गेला। सभ’ लोक केर अखन अस्पताल मे इलाज चैल रहल अछि। 

दिन बा दिन कोरोना वायरस के रूप आर विस्तार भ’ रहल अछि। त’ अहां लोकनि सं निरंतर उचित सावधानी रखबाक अपील करैत अछि.