पूर्व प्रधानमंत्री डॉ. मनमोहन सिंह AIIMS मे भर्ती

पूर्व प्रधानमंत्री आओर कांग्रेस नेता मनमोहन सिंहके काल्हि अर्थात 10 मईके दिल्लीक अखिल भारतीय अन्तर्राष्ट्रीय आयुर्विज्ञान संस्थान (एम्स) मे भर्ती कराओल गेलनि। मनमोहन सिंहके छातीमे दर्द उठल छलनि। जाहिके बाद हुनका हॉस्पिटल ल’ जायल गेल।

सूत्रक आधार पर चलि रहल समादके मोताबिक मनमोहन सिंहके अहि समय हॉस्पिटलके कार्डियो-थोरैसिक वार्डमे विशेषज्ञ सभके अन्दर राखल गेल अछि। 26 सितम्बर 1934 मे मनमोहन सिंह के जन्म भेल छलनि। ओ पंजाब यूनिवर्सिटी सँ पढ़ाईके बाद यूके के कैम्ब्रिज यूनिवर्सिटी सँ पढ़ाई-लिखाई कयलाह। देशक मुख्य आर्थिक सलाहकार रहल छथि। देशके वित्तमंत्री बनलाह। साल 1991 मे राज्यसभामे पहुँचल छलाह। 22 मई 2004 के ओ भारतके प्रधानमंत्री पदके शपथ लेने छलाह जे 26 मई 2014 के अहि पद सँ निवृत्त भेल छलाह