पूर्व डीजीपी गुप्तेश्वर पांडेय कें नहि भेटलनि टिकट, कहलनि- संघर्ष मे बीतल हमर जीवन

बिहारक पूर्व डीजीपी गुप्तेश्वर पांडेय कें बिहार विधानसभा चुनाव मे विधायकी कें टिकट नहि भेटल अछि। हाल मे ओ भारतीय पुलिस सेवा (आईपीएस) कें नौकरी सं वीआरएस ल' लेने छलाह आ जनता दल यूनाइटेड (जेडीयू) कें सदस्यता ग्रहण केने छलाह।

0
514
Gupteshwar Pandey

बिहारक पूर्व डीजीपी गुप्तेश्वर पांडेय (Gupteshwar Pandey) कें बिहार विधानसभा चुनाव मे विधायकी कें टिकट नहि भेटल अछि। हाल मे ओ भारतीय पुलिस सेवा (आईपीएस) कें नौकरी सं वीआरएस ल’ लेने छलाह आ जनता दल यूनाइटेड (जेडीयू) कें सदस्यता ग्रहण केने छलाह। एकरा बाद सं चर्चा चैल रहल छल जे ओ नीतीश कुमार कें पार्टी सं बक्सर विधानसभा सीट सं चुनाव मैदान मे उतरता। जखन बक्सर कें सीट बीजेपी कें खाता मे चैल गेल अछि । एकर बाद उम्मीद लगाओल जा रहल छल जे कहीं आन जगह सं हुनका टिकट भेट सकैत अछि। मुदा जखन जेडीयू 115 उम्मीदवारक लिस्ट जारी केलक त’ अहि आस पर पानि फेर गेल।

बुधदिन सत्ताधारी दल जेडीयू अपन सभ’ 115 उम्मीदवारक लिस्ट जारी क’ देलक। अहिमे बिहारक पूर्व डीजीपी गुप्तेश्व पांडेय (Gupteshwar Pandey) कें नाम शामिल नहि छल। आब पांडेय फेसबुक पोस्ट लिखि क’ अपन बात कहलनि। ओ लिखने छथि जे हमर जीवन संघर्ष मे बीतल अछि। हम जीवन भरी जनता कें सेवा मे रहब।

बुधदिन राइत मे पूर्व डीजीपी गुप्तेश्वर पांडेय (Gupteshwar Pandey) फेसबुक पोस्ट मे लिखलनि जे, ‘अपन अनेक शुभचिंतक कें फोन सं परेशान छी। हम हुनक चिंता आ परेशानी सेहो समझैत छी। हमर सेवा सं मुक्त भेलाक बाद सबके उम्मीद छल जे हम चुनाव लड़ब मुदा हम अहि बेर विधानसभाक चुनाव नहि लड़ि रहल छी। हताश-निराश होबाक कोनो बात नहि अछि। धीरज राखि। हमर जीवन संघर्ष मे बीतल अछि। हम जीवन भरी जनता कें सेवा मे रहब।’

गुप्तेश्वर पांडेय आगू लिखलनि, ‘कृपया धीरख राखि आ हमरा फोन नहि करी। बिहारक जनता कें हमर जीवन समर्पित अछि। अपन जन्मभूमि बक्सर केर धरती आ ओतय कें सभ’ जाति मजहब कें सभ’ बड़का-छोटका, भाई-बहन आ नौजवान कें हम पैर छू क’ प्रणाम करैत छी। अपन प्यार आ आशीर्वाद बनओने राखि।’

अहाँ अपन विचार लिखु

एतय अहाँ अपन विचार दियौ!
दया कय एतय अहाँ अपन नाम लिखू