ऑस्ट्रेलियाई क्रिकेट टीमक पूर्व ऑलराउंडर ग्रीम वॉटसन अंततः मृत्युके नहि हरा सकलाह। बहुत समय तक कैंसर सङ्ग लड़लाके बाद 75 वर्षक उम्रमे हुनकर निधन भ’ गेलनि। मध्यक्रम बल्लेबाजक सङ्ग-सङ्ग मीडियम पेसर रहल वॉटसन ऑस्ट्रेलियाक लेल 1967 सँ लय कय 1972 तक पांच टेस्ट मैच खेललनि। 1972 मे ओ दु टा एकदिवसीय मैचमे सेहो अपन देशके प्रतिनिधित्व केने छलनि।