SBI द’ रहल सस्ता लोन, 6 मास नहि लागत EMI – STATE EMERGENCY LOAN

एखन सब कें टाका चाही, काज-धंधा चौपट भेल छै. एहना मे SBI एकटा नीक ऑफर अनलक अछि. आब परेशान होएबाक काज नै छै. सरकारी बैंक SBI (State Bank of india) इमरजेंसी लोन (Emergency Loan) ल’क’ आयल अछि. एहि लोन कें लेबय लेल अहाँ कें बैंक जेबाक सेहो जरूरति नहि अछि.

एखन सब कें टाका चाही, काज-धंधा चौपट भेल छै. एहना मे SBI एकटा नीक ऑफर अनलक अछि. आब परेशान होएबाक काज नै छै. सरकारी बैंक SBI (State Bank of india) इमरजेंसी लोन (Emergency Loan) ल’क’ आयल अछि. एहि लोन कें लेबय लेल अहाँ कें बैंक जेबाक सेहो जरूरति नहि अछि. अहाँ कें घ’रे बैसल लोन भेटि जायत. एहि लोनक खास बात ई अछि जे कि सिर्फ 45 मिनट मे ई लोन अहाँ कें खाता मे आबि जाएत. एकरा लेल अहाँ कें बेसी दिनक इंतजार नहि करए पड़त.

6 महीना EMI देबाक सेहो कोनो जरूरति नहि!

स्टेट बैंक ऑफ इंडिया लॉकडाउन कें देखैत ई लोन केर शुरुआत केने अछि. ई इमरजेंसी लोन सिर्फ एसबीआई ग्राहक लेल अछि. बैंक कहलक जे लोन लेबए वाला ग्राहक कें 6 महीना तक किस्ती देबाक जरुरत नै अछि. अर्थात अहाँक अगर मई कें महीना मे एसबीआई से इमरजेंसी लोन लैत छी, त’ अहाँ कें अक्टूबर तक ईएमआई केर भुगतान करबाक जरूरत नै अछि. अहाँ कें ईएमआई छह महीनाक बाद सं शुरू होयत.

देबय पड़त एतेक ब्याज
कही दी जे बैंक ई लोन अपन ग्राहक लेल निकालने अछि. एहि पर्सनल लोन कें लेल ग्राहक सं 10.50 फीसदी केर दर सं ब्याज देबय पड़त. लोन लेल चौबीस घंटा सातो दिन मे कखनो आवेदन कयल जा सकैत अछि.

कतेक भेटि सकत लोन

पर्सनल लोन : दू लाख रुपया धरि
पेंशन लोन : अढाइ लाख रुपया धरि
सर्विस क्लास : पांच लाख रुपया धरि

एना करू अप्लाइ

एहि लोन कें लेल अहाँ कें किछु स्टेप्स कें फॉलो करय पड़त. आउ अहाँ कें बतबै छी आसान स्टेप्स –

– ग्राहक कें सब सं पहिने अपन रजिस्टर्ड नंबर सं PAPL<एकाउंट नंबर केर आखिरी 4 अंक> लिखि क’ 567676 पर भेजबाक अछि

-आब बैंक दिस सं अहाँ कें मैसेज आएत जे अहाँ लोन लेबाक लेल योग्य छी आ कि नै

-योग्य ग्राहक कें चार प्रोसेस मे लोन मिल जायत…


-एकरा लेल अहाँ एसबीआई एप मे अवेल नाउ (Avail Now) पर क्लिक करब

-एकरा बाद लोनक समय अवधि और अमाउंट सलेक्ट करू.


-एकर बाद मे रजिस्टर्ड नंबर पर OTP आयत. एकरा जखने भरबै त’ पइसा अहाँक खाता मे आबि जायत.