बिहार चुनाव मे अहि बेर कोरोनाक कारण भ’ सकैत अछि दोगुना खर्चा, निर्वाचन आयोग भेजत प्रस्ताव

बिहार चुनाव होबय मे अहि बेर सरकार कें दोगुना सं बेसी खर्चा भ' सकैत अछि अछि। 2015 कें चुनाव करबै मे जतय सरकारी खर्च लगभग 270 करोड़ आयल छल, ओतय अहि बेर ई अनुमानतः सवा छ सौ करोड़ रुपया भ' सकैत अछि।

0
456

बिहार चुनाव होबय मे अहि बेर सरकार कें दोगुना सं बेसी खर्चा भ’ सकैत अछि। 2015 कें चुनाव करबै मे जतय सरकारी खर्च लगभग 270 करोड़ आयल छल, ओतय अहि बेर ई अनुमानतः सवा छ सौ करोड़ रुपया भ’ सकैत अछि। ई सरकारी खर्च होयत। अहिमे राजनैतिक दल द्वारा कयल जाय वला चुनाव प्रचार खर्च शामिल नहि अछि। खर्च मे बढ़ोत्तरीक देखैत चुनाव आयोग केंद्र सरकारक पास चुनाव बजट बढ़ेबाक प्रस्ताव भेजबाक फैसला केने अछि।

निर्वाचन आयोगक शीर्षस्थ सूत्रक अनुसार, बिहार चुनाव कें बाद ई प्रस्ताव केंद्र सरकार कें भेजल जायत। अगला वर्ष पश्चिम बंगाल मे सेहो चुनाव होबाक अछि। ओकर बाद यूपी मे 2022 मे चुनाव होयत। आम चुनाव जखन 2024 मे होयत, मुदा सोशल दूरीक मानक ओहि समय धरी बनल रही सकैत अछि, जाहिसँ खर्च मे बढ़ोतरी भ’ सकैत अछि। 2019 मे भेल आम चुनावों मे लगभग 5000 करोड़ सं बेसी खर्च भेल छल, जे 2014 कें चुनाव खर्चक ठीक आधा छल।

सूत्रक अनुसार, बिहार मे चुनाव खर्च मे ई बढ़ोतरी महामारी कें कारण भेल अछि। चुनाव कर्मि लेल 125 करोड़ रुपयाक पीपीई किट खरीदल गेल अछि। चुनाव कर्मिक संख्या छ लाख अछि। एकर अलावा सैनेटाइजर, ग्लव्स आ मास्क अलग सं अछि। ओतय वोटरक सुरक्षाक सेहो इंतजाम करय सं खर्च मे
भारी बढ़ोतरी भेल अछि। लोकसभा चुनाव मे खर्च केंद्र सरकार करैत अछि, मुदा विधानसभाक निर्वाचन मे खर्च राज्य सरकार उठबैत अछि।

करोड़क कोरोना सुरक्षा उपकरण खरीदल गेल
बिहार मे भ’ रहल चुनाव मे 122 करोड़ रुपया केंद्रीय बल कें भुगतानक लेल अछि, जखन 125 करोड़ रुपयाक कोरोना सुरक्षा उपकरण खरीदल गेल अछि। ओतय अहि बेर बूथक संख्या मे 45 प्रतिशतक बढ़ोतरी कयल गेल अछि जाहिसँ बूथ पर वोटरक भीड़ नहि होय। ओतय वाहनक संख्या मे सेहो दोगुना इजाफा भेल अछि, किएक सोशल दूरी बनाके राखय लेल वाहन मे भीड़ नहि कयल जा सकत। सब विधानसभा सीट पर उम्मीदवारक प्रचार पर खर्च करबाक सीमा तय अछि।

यूपी, बिहार, महाराष्ट्र, पश्चिम बंगाल आ आंध्र प्रदेश जेहन बाड़का राज्य मे एक उम्मीदवार चुनाव मे कुल 28 लाख रुपए खर्च क’ सकैत अछि। छोट राज्य मे ई सीमा 20 लाख रुपया अछि। राजनैतिक दल अपन उम्मीदवारक लेल कतय खर्चा करता, एकर कोनो सीमा तय नहि अछि।

अहाँ अपन विचार लिखु

एतय अहाँ अपन विचार दियौ!
दया कय एतय अहाँ अपन नाम लिखू