Monday, October 26, 2020
मुख्यपृष्ठ बिहार बिहार मे चलल चुनाव आयोग कें चाबुक, 27 पूर्व प्रत्याशि कें चुनाव...

बिहार मे चलल चुनाव आयोग कें चाबुक, 27 पूर्व प्रत्याशि कें चुनाव लड़य पर रोक

बिहार विधानसभा आम चुनाव मे बिहार कें 27 पूर्व प्रत्याशि कें चुनाव लड़य पर तीन वर्षो कें लेल रोक लगाओल गेल अछि। सभ' प्रत्याशिक समय-सीमा 2021 आ 2022 धरी कें लेल नियत कयल गेल अछि।

बिहार विधानसभा आम चुनाव मे बिहार कें 27 पूर्व प्रत्याशि कें चुनाव लड़य पर तीन वर्षो कें लेल रोक लगाओल गेल अछि। सभ’ प्रत्याशिक समय-सीमा 2021 आ 2022 धरी कें लेल नियत कयल गेल अछि। अहि प्रत्याशि पर चुनावक बाद चुनाव आयोग कें चुनाव खर्चे कें ब्यौरा उपलब्ध नहि कराओल गेल, अहिलेल ई कार्रवाई कयल गेल। आम चुनाव मे जे प्रत्याशी चुनाव मैदान मे उतरैत छथि, हुनका चुनाव कें बाद चुनाव मे कयल गेल खर्चोक ब्यौरा देनाइ जरूरी अछि।

पूर्व प्रत्याशि चुनाव खर्चोक ब्यौरा नहि देबाक कोनो वास्तविक कारण आयोग कें नहि बतओलनि। आयोगक सूत्र बतओलनि जे लोक प्रतिनिधित्व अधिनियम, 1951 केर धारा (क) कें तहत कही कोनो व्यक्ति चुनाव परिणाम एलाक 30 दिनक भीतर चुनावी खर्चक ब्यौरा नहि दैत आ ब्यौरा नहि देबाक कोनो स्पष्ट कारण नहि बता सकता त’ चुनाव आयोग ओकर अगला तीन वर्ष धरी चुनाव लड़य पर रोक लगा सकैत अछि।

आयोग द्वारा जारी सूची कें अनुसार अलीनगर कें अनंत कुमार (7.10.2021 धरी), केवटी कें विजय कुमार (7.10.2021 धरी) अशोक कुमार झा (19.9.2021 धरी), खगड़िया कें बबिता देवी (7.10.2021 धरी), कुशेश्वर स्थान (सु) कें तुरंती सदा (17.08.21 धरी), बेनीपुर कें तारांकात झा (17.8.2021 धरी) जितेंद्र पासवान (17.8.2021 धरी), हायाघाट कें मो. अरशद (17.8.2021 धरी) आ रामसखा पासवान (17.8.2021 धरी), पातेपुर कें लखींद्र पासवान (17.8.2021 धरी), परबत्ता कें सतीश प्रसाद सिंह (17.8.2021 धरी), गायघाट कें रघुनंदन प्रसाद सिंह (19.9.2021 धरी), रानी सिंह (19.9.2021 धरी), हथुआ कें संजय कुमार मौर्या (19.9.2021 धरी), फारूख खान (19.9.2021 धरी), कुम्हरार कें सुबोध कुमार (19.9.2021 धरी), कुटुंबा कें रंजीत कुमार (19.9.2021 धरी), औरंगाबाद कें संजीत कुमार चौरसिया (19.9.2021 धरी) यशंवत लाल सत्यार्थी (19.9.2021 धरी), कुढ़नी कें सुरजीत सुमन उर्फ सुरजीत कुमार (18.1.22 धरी) अशरफ सानी (18.1.22 धरी), अभय कुमार (18.1.22 धरी), पूजा कुमारी (18.1.22 धरी), कुमार विजय (18.1.22 धरी), भोरे (सु) कें जानकी देवी (18.1.22 धरी) आ शरमा देवी (18.1.22 धरी), तथा बेलदौर बिंदू देवी (18.1.22 धरी) चुनाव लड़य पर रोक लगाओल गेल अछि ।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु

Most Popular

बिहार चुनाव: बिहारक 71 सीट कें लेल मतदान, कोना करी EVM आ VVPAT सं वोटिंग ?

बिहार विधानसभा चुनावक पहिल चरणक वोटिंग (First Phase Voting) 28 अक्टूबर कें होबय जा रहल अछि।

PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।