मिथिला लाइवके एकटा महत्वपूर्ण उद्देश्य छल जे मिथिला लाइव एकटा मुक्त मैथिलीभाषाक ऑनलाइन पोर्टल हुए जतय किओ आबि समाद पोस्ट कय सकथि। अहि उद्देश्यके संग मिथिला लाइव प्रारम्भ कयल गेल अछि।
जँ पोस्ट सँ कोनो आर्थिक लाभ होयत अछि तँ ओहि आर्थिक लाभके पोस्ट कयनिहार/कायनिहारि संग साझा करवाक नियार कयने छी ।
पोस्ट करय लेल किछ नियम तथा शर्त बनायल गेल अछि । ओहिके अनुरूप पोस्ट कय अहाँ आर्थिक लाभ कय सकैत छी।
नियम तथा शर्त

- प्रत्येक पोस्ट 400 सँ शब्द सँ लय कय 2000 शब्द तक हुए।
- पोस्टमे कम सँ कम एकटा फोटो चाही जे पोस्ट सँ सम्बंधित हुए।
- पोस्ट मैथिलीमे हुए तथा मौलिक हुए। आन वेबसाइट सँ कॉपी कयल पोस्ट स्वीकृत नहि होयत, स्वीकृत पोस्ट सेहो हटायल जा सकैछ।
- एक दिनमे अधिकतम 5 टा पोस्ट स्वीकृत होयत।
- प्रोमोशनल पोस्ट प्रकाशन लेल स्वीकृत नहि होयत।
- एक टा स्वीकृत पोस्ट पर कम सँ कम 10 रुपया देल जायत।
- कम सँ कम 50 टा पोस्ट स्वीकृत भेलाक बादे भुगतान होयत।
- पेटीएम अथवा एनईएफटीके माध्यम सँ भुगतान होयत।
- जाहि महीनामे 50 टा पोस्ट पुरत ओहिके अगिला महीनामे 12 सँ 19 तारीखके बीचमे भुगतान होयत।
- जाहि महीनामे 50 टा स्वीकृत पोस्ट पुरत ओहि महीनाके अन्तिम दिनांक तक सभटा स्वीकृत पोस्ट जोड़ि कय अगिला महीनामे भुगतान कयल जायत।
- 1 वर्षमे कम सँ कम 50 टा स्वीकृत पोस्ट जरूरी अन्यथा आइडी सभ समय लेल डीएक्टिवेट कय देल जायत।
- उम्र 16 वर्ष अथवा 16 वर्ष सँ बेसी भेनाइ आवश्यक।
- भारतमे बैंक एकाउंट होबाक चाही।
- समाद, मिथिला, बिहार, राजनीति, खेल, सिनेमा, पाबैन-तिहार आदि पर होवक चाही।
- पोस्ट कयलाक 30 दिनके भीतरमे जाहि पोस्ट पर 1,000 यूजर विजिट करैत अछि तँ ओहि पोस्ट पर बोनस* के सेहो भुगतान कयल जायत।
- कॉपी पेस्ट अथवा धोखाधड़ीके संबंधमे बिना कोनो भुगतान/सूचनाके एकाउंट डिएक्टिवेट करवाक अधिकार मिथिला लाइव सुरक्षित राखैत अछि।
- कोनो दिन मिथिला लाइव इ सुविधा बन्द करबाक अधिकार सेहो सुरक्षित राखैत अछि।
- केसभ अहि सुविधाके उपयोग कय सकैत छथि आओर के सभ नहि सेहो अधिकार मिथिला लाइव सुरक्षित रखने अछि।
- शर्त तथा नियममे समय समय पर बदलाव होइत रहत।