अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंप कोरोना पॉजिटिव, पत्नी मेलानिया सेहो चपेट मे

कोरोना वायरस सं सबसा बेसी प्रभावित अमेरिका कें राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंप सेहो आब एकर चपेट मे आबि गेल छथि. भोरे डोनाल्ड ट्रंप ट्वीट क' जानकारी देलनि जे ओ आ हुनक पत्नी मेलानिया कोरोना वायरस पॉजिटिव पाओल गेल अछि.

0
244

कोरोना वायरस सं सबसा बेसी प्रभावित अमेरिका कें राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंप सेहो आब एकर चपेट मे आबि गेल छथि. भोर मे डोनाल्ड ट्रंप ट्वीट क’ जानकारी देलनि जे ओ आ हुनक पत्नी मेलानिया कोरोना वायरस पॉजिटिव पाओल गेल छथि. टेस्ट रिजल्ट एलाक बाद दुनू कें क्वारनटीन क’ देल गेल अछि.

अहाँ कें कही दी जे व्हाइट हाउस मे डोनाल्ड ट्रंप केर निजी सलाहकार होप हिक्स सेहो कोरोनाक चपेट मे आयल छलि. एकरा बाद डोनाल्ड ट्रंप ट्वीट क’ लिखने छलाह जे होप हिक्स कें कोरोनाक चपेट मे एलाक बाद आब हम आ मेलानिया क्वारंटाइन भ’ गेल छी.

आब अगला 14 दिन धरी डोनाल्ड ट्रंप आ मेलानिया कें क्वारनटीन रहय परत, अगला एक हफ्ता कें बाद हुनकर फेर सं कोरोना टेस्ट कयल जायत.

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here