निजामुद्दीनक बाद आब बिहारक मरकज बढ़ेलक परेशानी, नालंदामे जुटल छल 640 जमाती

0
341

दरभंगा/नालंदा. दिल्लीक निजामुद्दीनक बाद आब बिहारमे भेल तब्लीगी जमातक (Tabligi jamaat) कार्यक्रम राज्य सरकारक परेसानी बढ़ा देने अछि 14 आओर 15 मार्चके नालंदा (Nalanda) जिलाक बिहारशरीफके शेखना मस्जिदमे भेल एकटा जमातमे लगभग 640 लोक शामिल भेल छल. अहि सूचनाक बाद एक संग नालंदा (Nalanda) आओर दरभंगा (Darbhanga) जिला प्रशासनक हाथ-पैर फूलल अछि. नालंदा जिला प्रशासन द्वारा पठायल गेल गोपनीय चिट्ठी सेहो चिंता बढ़ा देने अछि. अहि गोपनीय चिट्ठीमे कहल गेल अछि जे की 14 – 15 मार्चके नालंदा जिलाक बिहारशरीफक शेखना मस्जिदमे भेल एकटा जमातमे लगभग 640 लोक शामिल भेल छल, जाहिमे दरभंगाक सेहो 12 टा लोक छल.

एसएसपी बजलाह

दरभंगाक एसएसपी बाबू राम सेहो अहि बातक पुष्टि करैत कहलाह जे जमातमे शामिल दोसर जिलाक लोक कोरोना संक्रमित भेटल अछि. अहि सन्दर्भमे चिट्ठी भेटलाक बाद यहन डेग उठायल गेल आओर सभके मेडिकल सुरक्षामे राखल गेल अछि. जमातमे शामिल किछ लोकके डीएमसीएचके आइसोलेशन वार्डमे राखल गेल अछि आओर किछके घरमे क्वारंटाइन कयल गेल अछि.

न्यूज सोर्स: न्यूज18