की तकनीकी दिक्कत दूर होयत, 8 सँ दरभंगा सँ उड़ान भरत जहाज?

0
144

दरभंगा सँ हवाई उड़ानमे आबि रहल तकनीकी दिक्कत सभके लय कय बृहस्पतिके एयरपोर्ट ऑथारिटी ऑफ इंडियाके अधिकारी सभ जिला प्रशासन आओर एयरफोर्सक अधिकारी सभके संग बैसकी केलक। बैसकीमे उड़ान सँ संबंधित तकनीकी दिक्कत दूर करवाक चर्चा भेल। निर्णय लेल गेल की 8 नवंबर सँ दरभंगा सँ दिल्ली, मुंबई आओर बेंगलुरूके लेल यात्री विमान उड़त। तकनीकी समस्या सभके एक-दु दिनके भीतर समस्या दूर कय लेल जायत। रन-वे के काज सेहो अंतिम चरणमे छै। सूत्रक मानी तँ दरभंगा एयरपोर्ट पर वर्तमानमे टैक्सी स्टैंड सहित दोसर एक-दु टा अड़चन छै, जकरा जल्दी पूरा करवाक बात कयल जा रहल छै।

वर्तमानमे फ्लाइट पकड़वाक लेल यात्री लोकिन एयरफोर्सक गेट नंबर दु सँ भीतर जयताह। एतय सँ सोझे टर्मिनल भवनमे प्रवेश करताह। चेकिगके बाद यात्री लोकिन बस सँ प्लेन तक जयताह। सूत्र बताबैत अछि की दरभंगाके विद्यापति टर्मिनल सँ हवाई जहाज तक यात्री लोकिनके लय जयबाक लेल स्पाइस जेटक बस सभ सेहो दरभंगा एयरपोर्ट पहुंच गेल अछि। बता दी जे की 12 सितंबरके केंद्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री हरदीप सिंह पुरी दरभंगाके विद्यापति टर्मिनलके निरीक्षण कयने छलाह। अहिके बाद ओ इ घोषणा कयने छलाह की 8 नवंबर सँ दरभंगा सँ विमानक परिचालन होयत। 31 अगस्त सँ पूर्व टिकटके बुकिंग शुरु भ’ जायत। अहिके बाद स्पाइस जेट कंपनीके तरफ सँ टिकटक बुकिंग प्रारम्भ भ’ गेल छल। स्पाइस जेट तिनु रूट पर प्रतिदिन विमानक सेवा शुरू करवाक निर्णय लेने छल। बता दे जे की उड़ान योजनाके अंतर्गत मिथिलाके दरभंगा आओर पूर्णिया एयरपोर्टके चयन कयल गेल छल

 

दरभंगा एयरपोर्ट सँ उड़ान योजनाक अपडेट

15 जून-2016 के उड़ान योजना स्वीकृत भेल।

24 अगस्त-2017- निविदाक दोसर चरण शुरू भेल।

24 जनवरी 2018- स्पाइस जेटके तीन हवाई मार्ग पर उड़ान भरवाक अनुमति।

24 दिसंबर 2018- तत्कालीन नागरिक उडययन मंत्री सुरेश प्रभु आओर मुख्यमंत्री आधारशिला रखलनि।

06 मार्च 2019- स्पाइस जेट  टिकट बुकिगके तारीख बतेलक।

30 अप्रैल 2019- स्पाइस जेट पूरा काज नहि भेलाक कारण बूकिंग रोकलक।

11 मई 2020- नागरिक उडययन मंत्री ट्विट कय जानकारी देलनि जे अक्टूबर 2020 तक पूरा होयत काज।

24 जून 2020- मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हवाई अड्डाके निरिक्षण कयलनि। काजके करवाक बात भेल।

25 अगस्त 2020- भारतीय विमानपत्तन प्राधिकरणके ओर सँ देल गेल सूचना जे 31 दिसंबर 2020 तक पूरा होयत काज।

12 सितंबर 2020- नागरिक उडययन मंत्री हरदीप सिंह पुरी काजक समीक्षा कयलनि।

21 सितंबर 2020- स्पाइस जेट टिकट के बुकिंग शुरू केलक।

सभार: दैनिक जागरण