2018 के लेवल पर क्रूड तेलक दाम,मुदा पेट्रोल 20 तअ डीजल 17 रुपया भेल महंग जानू – गणित

0
110

सितंबर 2018 मेँ जहन कांच तेल 77 डॉलर प्रति बैरल पर छल ओइ समय मेँ पेट्रोलक घरेलू बाजार कीमत 81 रुपया 4 पाई प्रति लीटर छलै. आई तीन सालक बाद कांच तेल 77 डॉलर पर अइछ मुदा भारत मेँ पेट्रोल 101 रुपया 89 पाई प्रति लीटर(शुक्र दिनक रेट) अईछ

नई दिल्ली:– देश मेँ पेट्रोल अउर डीजलक दाम आसमान छू रहल अइछ,लगातार तीन दिन सँ ईधनक कीमत मेँ वृद्धि कैल जा रहल अइछ.कांच तेलक कीमत मेँ जारी तेजी कं वजह सँ देश मेँ पेट्रोल अउर डीजलक दाम बढ़ावै के बात कहल जा रहल अइ।
अंतरास्ट्रीय स्तर पर क्रूड यानी ब्रेंट कांच तेल तीन सालक उच्चतम स्तर पर अईछ।तत्काल क्रूड तेल 77 डॉलर प्रति बैरलक आसपास चैल रहल छैक।
सितंबर २०१८ तेल इएह स्तर पर छल मुदा ओइ समय घरेलू स्तर पर ईंधनक दाम आई के दाम जेना अधिक नै छल।
सितंबर २०१८ मेँ जहन कांच तेल 77 डॉलर प्रति बैरल पर छलै तहन पेट्रोलक दाम 81 रुपया चाइर पाइये छलै अउर डीजल 73 रुपये लीटर छलै।
आई पेट्रोल अधिकांश जगह पर 100 के पार पहुँच गेल अउर डीजल सेहो कतेक जगह 100 के करीब अइछ।

आँकड़ा पर ध्यान दियौ त सितंबर २०१८ मेँ जहन कांच तेल 77 डॉलर प्रति बैरल पर छलै ओइ समय पेट्रोलक घरेलू बाजार मेँ दाम 81.4रुपये प्रति लीटर छलै।आई तीन सालक बाद कांच तेल 77 डॉलर पर फेर आईबी गेल अइछ मुदा भारतमेँ पेट्रोल 101.89 रुपये प्रति लीटर अउर ओतहे डीजल जे की सितंबर २०१८ में 73.12 रुपये प्रति लीटर छलै ओ वर्तमान समय मेँ 90.17 रुपया प्रति लीटर भ गेल ।
अइ हिसाब सँ देखल जाइ त तीन सालमेँ कांच तेल के दाम त 77 डॉलर पेर फेर आईबी गेलेंन मुदा घरेलू बाजारमेँ पेट्रोल लगभग 20 रूपया लीटर महंग भेल ।

सितंबर २०१८ मेँ पेट्रोल पर 102 प्रतिशत टैक्स लागै छलै जे आब बढ़ा क 147 फीसदी भ गेल छै,संगे डीजल पर २०१८ मेँ 62 प्रतिशत टैक्स लागै छल जे आब बढ़ा कअ 113 प्रतिशत पर पहुँच गेल ।वर्तमान मेँ पेट्रोलक दाम मात्र 41.3 रुपया अइछ अउर 60.5 रुपया टैक्स इत्यादि।डिजलक दाम 42.28रूपया अउर ओइ पर 47.88 रुपया टैक्स लागै छै ,जै स की आम आदमी के एक लीटर डीजल लेल 90.17 रुपया देबै पड़ै छैक।

*ईधनक दाम बढ़बाक कारण*
कांच तेलक कीमतमेँ तीव्रता केर कतेक नै कारण छै
अइ मेँ वैश्विक ऊर्जा संकट अमेरिका मेँ तूफानक बाद कम उत्पादन, सर्दी केर मौसम सँ पहिले ऊंच मांग आदि।
वर्तमानमेँ क्रूड(कांच तेल) 77 सँ 78 डॉलर प्रति बैरल चैल रहल अइछ जेकरा 100 डॉलर प्रति बैरल पहुँचै के संभावना अइछ।।