नई दिल्ली: कोरोना वायरसके ध्यानमे राखैत प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी एक बेर फेर सँ सभटा राज्यके मुख्यमंत्री सङ्ग वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगके माध्यम सँ सोमके गप करताह। कोरोना कालमे मुख्यमंत्री सभ सङ्ग इ पीएम मोदीके पाँचम बैसकी होयत। अहि बैसकीमे सभ मुख्यमंत्रीके गप करबाक अर्थात अपन बात राखयके मौका भेटत. बतायल जा रहल अछि जे कि इ अखनि तकके सबसँ पैघ बैसकी होयत, कियेक की बैसकीके समय सभ मुख्यमंत्रीके बाजयके मौका भेटत, पीएम सभ राज्यक मुख्यमंत्रीके गप सुनताह। बैसकीमे आर्थिक गतिविधि सभ कोना शुरू कयल जाय, की रियायत देल जाय, अहि सभ गप पर चर्चा भ’ सकैछ।

सभसँ बेसी रोगी वाला राज्य पर रहत फोकस

सूत्रके मोताबिक, अहि बैसकीमे सभसँ बेसी रोगी वाला संख्या वला राज्य सभ पर फोकस रहत। अहि समय देशमे सभसँ बेसी कोरोनाके रोगी महाराष्ट्रमे अछि। केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्रालयके आंकड़ाके अनुसार महाराष्ट्रमे अखनि धरि 20228 केस आबि चुकल अछि, ओतय 3800 कोरोना संक्रमित रोगी ठीक भ’ गेल अछि। अहि वायरसके कारण सँ महाराष्ट्रमे एखनि धरि तक 779 लोगक मृत्यु भ’ चुकल अछि।

अहि सँ पहिले कहिया-कहिया भेल छल बैसकी

बता दी जे कि अहि सँ पहिले 20 मार्च, 2 अप्रैल, 11 अप्रैल आओर 27 अप्रैलके प्रधानमंत्री मोदीके राज्यक मुख्यमंत्री सभ सङ्ग बैसकी भ’ चुकल अछि।

काल्हि लॉकडाउनक 48म दिन होयत

अहि समय देशमे लॉकडाउन लागल अछि। देशव्यापी लॉकडाउन सभसँ पहिले 25 मार्चके लागू कयल गेल छल, जे की14 अप्रैल के समाप्त होबाक छल, मुदा कोरोना वायरसके बढ़ैत मामिलाके देखैत केंद्र सरकार लॉकडाउनके 3 मई तक लेल बढ़ेने छल आओर पुनः एकर एक बेर 17 मई तकके लेल बढ़ा देल गेल अछि।