दुनियाक पहिल रूसी कोरोना वैक्सीन कें होयत रजिस्ट्रेशन, कहिया सं होयत टीकाकरण ?

कोरोना वायरस संकटक बीच पूरा दुनिया मे वैक्सीन बनेबाक प्रक्रिया जारी अछि, मुदा रूस एकर बहुत करीब पहुंच चुकल अछि। कोरोना वायरसक कहर कें बीच रूस सं सुभ समाचार अछि जे रूस कोरोना वायरस केर पहिल वैक्सीनक रजिस्ट्रेशन करेबाक लेल बुधदिन (12 अगस्त) कें तैयार अछि। रूस कें दावा अछि जे कोरोना वैक्सीन तैयार करय मे ओ दुनियाभरि कें देश सं आगू अछि।

0
511

कोरोना वायरस संकटक बीच पूरा दुनिया मे वैक्सीन बनेबाक प्रक्रिया जारी अछि, मुदा रूस एकर बहुत करीब पहुंच चुकल अछि। कोरोना वायरसक कहर कें बीच रूस सं सुभ समाचार अछि जे रूस कोरोना वायरस केर पहिल वैक्सीनक रजिस्ट्रेशन करेबाक लेल बुधदिन (12 अगस्त) कें तैयार अछि। रूस कें दावा अछि जे कोरोना वैक्सीन तैयार करय मे ओ दुनियाभरि कें देश सं आगू अछि। रूसक उप स्वास्थ्य मंत्री ओलेग ग्रिडनेव ऐलान केलनि जे 12 अगस्त कें करोना वैक्सीनक रजिस्ट्रेशन होयत।

गामालेया शोध संस्थान आ रूसक रक्षा मंत्रालय केर पहल

जखन, अमेरिका, ब्रिटेन समेत बहुतो देश रूसक अहि दावा कें संशय भरल नजैर सं देख रहल अछि। मुदा रूस कें दावा अछि जे ओ कोरोनाक वैक्सीन बना लेलक, जकर पंजीकरण 12 अगस्त कें होयत आ ओकर बाद एकर उत्पादन आ टीकाकरण पर जोर देल जायत। ई वैक्सीन गामालेया शोध संस्थान आ रूसक रक्षा मंत्रालय कें संयुक्त तत्वावधान मे तैयार भेल अछि।

अक्टूबर सं भेटय लागत वैक्सीन

रूसक स्वास्थ्य मंत्री मिखाइल मुराशको कहलनि जे ‘जोखिम समूह’ कें सदस्य, जेना चिकित्सीय पेशेवर कें अहि महीना टीका लगाओल जा सकैत अछि। ओ ई स्पष्ट नै केलैथ जे की ओ तेसर चरणक अध्ययन कें हिस्सा होयत जकर टीका कें ‘सशर्त मंजूरी’ भेटलाक बाद पूरा कयल जायत।

ओतय, रूसक उप प्रधानमंत्री तात्याना गोलिकोवा सितंबर मे कोरोना वायरसक ‘औद्योगिक उत्पादन’ शुरू करेबाक वादा केलनि आ मुराशको कहलनि जे सामूहिक स्तर पर टीकाकरण अक्टूबर मे शुरू होयत। कही रूस कें दावा सही साबति होयत अछि त’ कोरोना वायरसक खिलाफ जंग मे ई बड़का सफलता होयत आ अहि सालक अंत धरि दुनिया कें कोरोना वैक्सीन भेट सकैत अछि।

कोनो उत्तर दिय

अपन कमेंट जरूर लिखू !
कृपया अपन नाम एतय दर्ज करू