कोरोना वायरस पर काबू पाबय लेल मार्च मे सरकार लॉकडाउनक एलान केने छल. लॉकडाउन केर घोषणा कें बाद सूचना एवं प्रसारण मंत्रालय दूरदर्शन पर बहुते रास धारावाहिक कें पुन: प्रसारण केर फैसला केने छल. सरकारक एहि फैसला कें दर्शक बहुते पसंद केने छल. एकर सीधा फायदा  डीडी (DD) कें भेल छल.

केंद्र सरकार आब एक आओर धारावाहिक कें पुन: प्रसारण केर फैसला कयलक अछि. दूरदर्शन एकर जानकारी खुद अपन ट्विटर पर केलक. दूरदर्शन पर आब ‘विष्णु पुराण’ केर वापसी भ’ रहल अछि. धारावाहिक विष्णु पुराण कें बीआर चोपड़ा डायरेक्ट केने छलाह. विष्णु पुराण कें पुन: प्रसारण डीडी भारती पर कयल जायत।

अरुण गोविल और दीपिका चिखलिया स्टारर धारावाहिक रामायण टीआरपी मे त’ इतिहास रचि देने अछि. शो वर्ल्ड रिकॉर्ड सेहो बनओने अछि. व्यूअरशिप मे रामायण अमेरिका केर सबसे लोकप्रिय शो गेम ऑफ थ्रोन्स कें पीछा केने अछि.