Warning: getimagesize(): Peer certificate CN=`*.web-hosting.com' did not match expected CN=`www.mithila.live' in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(): Failed to enable crypto in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(https://www.mithila.live/wp-content/uploads/2020/05/IMG-20200502-WA0002-300x152.jpg): failed to open stream: operation failed in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Sunday, October 25, 2020
मुख्यपृष्ठ मिथिला सीएम हाउस मे सेहो कोरोना देलाक दस्तक, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कें भतीजी...

सीएम हाउस मे सेहो कोरोना देलाक दस्तक, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कें भतीजी सेहो संक्रमित

बिहारक राजधानी पटना सं बड़का खबैर आबि रहल अछि जे सीएम आवास मे सेहो कोरोना दस्तक द’ देने अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कें भतीजी सेहो कोरोना संक्रमित पायल गेल अछि। पटना एम्स मे हुनकर इलाज चैल रहल छनि। अहिसँ पहिने जदयू कें एमएलसी गुलाम गौस आ हुनक पत्नी कोरोना संक्रमित पाओल गेल छल। गुलाम गौस आ हुनक पत्नी कें सैंपल लेल गेल छल, जाकर रिपोर्ट पॉजिटिव आयल अछि।

कही दी जे दू दिन पहिने मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जांच मे कोरोना मुक्त पायल गेल छला। मुख्यमंत्री स्वयं आ अपन नजदीक रहय वला पदाधिकारि केर कोरोना संक्रमणक जांच कराओल गेल छल। विधान परिषद कें कार्यकारी सभापति अवधेश नारायण सिंह कोरोना पॉजिटिव मिलला। पिछला एक कार्यक्रम मे मुख्यमंत्री कें संग अवधेश नारायण सिंह सेहो शामिल भेल छला। अहि कारण मुख्यमंत्री अपन जांच करओलनि, जाहिमे रिपोर्ट निगेटिव आयल अछि। स्वास्थ्य विभाग कें आधिकारिक सूत्र रैबदिन क’ एकर पुष्टि केलाक। संगे मुख्यमंत्री आवास मे लेल गेल सभ’ 16 सैम्पल केर जांच रिपोर्ट निगेटिव आयल छल।

विधान परिषद मे आयोजित कार्यक्रम मे विधानसभा अध्यक्ष विजय कुमार चौधरी आ उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी समेत बहुत राजनेता शामिल भेल छला। सूत्र कें अनुसार एकर आधार पर विप सभापति अवधेश नारायण सिंह कें निकट संपर्क मे आबय वला व्यक्ति केर कोरोना जांच कें लेल सैम्पल लेल गेल छल। अखन धरि मिलल रिपोर्ट कें अनुसार जांच मे श्री चौधरी आ मोदी सेहो संक्रमित नै छथि। अहि सभ’ केर जांच रिपोर्ट निगेटिव आयल अछि। डाक्टर केर टीम कुल 80 सैम्पल क’ एकत्र कयल गेल अछि।

Most Popular

PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

बिहार चुनाव : प्रधानमंत्री कें सभा मे आतंकी-नक्सली कें खतराक ल’ अलर्ट जारी

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल' 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता।