SC मे याचिका, कोरोना लेल चीन पर 600 अरब डॉलर केर दावा करत भारत

0
392

कोरोना वायरस चलते भारतक अर्थव्यवस्था कें नुकसान पहुँचाएब आ बहुत संख्या मे लोकक मौत लेल भारतक एक युवक चीन कें जिम्मेदार मानि हर्जाना केर दाबी केलक अछि. ई युवक मांग केने अछि जे भारत सरकार कें चीन सं भारी भरकम हर्जाना वसूल करबाक चाही. एहि लेल ई युवक सुप्रीम कोर्ट मे याचिका दायर केने अछि.

अंतरराष्ट्रीय अदालत मे चीन पर मुकदमा करत भारत

केके रमेश नामक शख्स सुप्रीम कोर्ट मे याचिका दायर क’ कहलनि अछि जे अदालत केंद्र सरकार कें निर्देश दिअए जे ओ चीन सं 600 अरब डॉलर केर हर्जाना वसूली करत. युवक केर कहब छै जे अदालत केंद्र कें अंतरराष्ट्रीय अदालत जेबा लेल निर्देश दिअए. जतय चीन केर खिलाफ मुकदमा चलायल जा सकत आ ओकरा सं 600 अरब डॉलर केर राशि वसूल कएल जा सकत.

चीन पसारलक कोरोना वायरस

याचिकाकर्ता वकील नरेन्दर कुमार वर्मा केर माध्यम सं कहलनि जे चीन कोरोना वायरस फैला क’ भारतक अर्थव्यवस्था कें बर्बाद क’ देलक आ एहि ठाम एहि बीमारी सं हजारों लोकक मृत्यु भ’ गेल छै. चीन सं एकर हर्जाना वसूली कएल जेबाक चाही.

WHO सं सेहो चीन कें झटका

कोरोना वायरस केर प्रसार कें ल’ चीन आ बाकी देश मे चलि रहल तनातनी केर बीच विश्व स्वास्थ्य संगठन (WHO) आखिरकार मानि लेलक जे कोरोना कें पसारबा मे चीनक बड़का भूमिका रहल. ओ मानलक जे चीनक वुहान मार्केट कोरोना वायरसक प्रसार मे एकटा बड़का कारण बनल अछि.

कोरोना कमांडो कें थैंक्स कहू

WHO केर फूड सेफ्टी जूनॉटिक वायरस एक्सपर्ट डॉ. पीटर बेन ऐंबरेक जेनेवा मे प्रेस ब्रीफिंग केर दौरान कहलनि जे वुहानक वेट मार्केट कोरोना संक्रमणक  प्रसार मे अहम भूमिका निभौने अछि.