अमित शाह बिहार मे करता डिजिटल रैली, तेजस्वी कहलनि- चुनावक चिंता, गरीबक नै – Election in Bihar

0
49

केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाह अहि साल कें अंत मे प्रस्तावित बिहार विधानसभा चुनावक (Election in Bihar) शंखनाद 9 जून कें बिहार मे डिजिटल रैलीक संग करता. विपक्षी दल आरजेडी शाह केर रैली पर सवाल उठोलनि अछि.

अमित शाह कें ई प्रस्तावित डिजिटल रैली पर हमला करैत आरजेडी नेता आ नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव बीजेपी पर तंज कसलनि. तेजस्वी कहलनि जे देश मे महामारी फैलल अछि आ बीजेपी कें चुनाव (Election in Bihar) केर चिंता लागल अछि. तेजस्वी कहलनि जे 9 जून कें हुनकर पार्टी अमित शाह कें डिजिटल रैली कें विरोध अपन तरीका सं करत.

ओ कहलनि जे बिहार मे महामारी फैलल अछि परन्तु एहन माहौल मे सेहो बीजेपी कें चुनाव (Election in Bihar) कें चिंता अछि. बीजेपी पहिल एहन पार्टी अछि जे 9 जून केर बिहार मे भूख, हत्या आ गरीबी सं भेल मृत्यु कें जश्न मानोता. अहि दिन हम बीजेपी कें ई कार्यक्रमक प्रतिकार करब.

कोविड-19 महामारी काल मे अहि साल अक्टूबर-नवंबर मे बिहार विधानसभा चुनाव प्रस्तावित अछि. ऐना मे सवाल उठ रहल अछि जे की बिहार मे विधानसभा चुनाव संभव अछि की नै? अहि कें ल’ तेजस्वी यादव कहलनि जे जखन चुनाव आयोग राजनीतिक दल सं मिल क’ महामारीक दौरान विधानसभा चुनाव कराओल जाय की नै, एकरा ल’ राय व्यक्त करबा लेल कहता त’ ओहि समय आरजेडी अपन मंतव्य रखता.

तेजस्वी यादव आगू कहलनि जे चुनाव यदि वक्त पर होयत अछि त’ पार्टी चुनाव जरूर लरत परन्तु अहि समय हुनकर पार्टी केर प्राथमिकता केवल गरीब कें राहत देबाक अछि.

ओ कहलनि, ‘शर्म केर बात अछि जे अखनो प्रवासी मजदूर लउट क’ अपन घर नै पहुंचल छथ, गरीब भूखल अछि मृत्यु भ’ रहल अछि आ लोग चुनाव केर बात क’ रहल अछि.’