की AC सँ बढ़ैत अछि कोरोनाक खतरा? बुझु AIIMS डायरेक्टर केर सलाह।

0
37
air conditioner

देशभरि मे संपूर्ण लॉकडाउन केलाक बादो कोरोना वायरस अपन व्यापक असर देखा रहल अछि, देशमे कोरोना संक्रमितक संख्या लगातार बढ़ल जा रहल अछि। कोरोनाक संकटक बीच लोक कें मनमे बहुत तरहक सवाल उठि रहल अछि। दिल्ली स्थित एम्स केर डायरेक्टर डॉक्टर रणदीप गुलेरिया सँ कोरोना सँ जुड़ल बहुत सवाल कयल गेल। अहि मे सँ एकटा सवाल छल जे कार अथवा घरमे AC चलओला सँ की वास्तवमे कोरोना संक्रमण बढ़ैत छै?

की AC चलओला सँ पसरत कोरोना?

डॉक्टर रणदीप गुलेरिया कहलनि जे AC चलओला सँ खतरा तखनि भ’ सकैए जखन क्रॉस वेंटिलेशन होयत। जँ अहाँक घरमे विंडो एसी लागल अछि त’ अहाँक रूमक हवा ओही रूम धरि रहत। अहि सँ विंडो एसी अथवा कारमे एसी चलओला सँ कोनो दिक्कत नहि अछि, परन्तु सेंट्रल एसी सँ संक्रमणक खतरा भ’ सकैत अछि।

सेंट्रल एसी सँ हवा सभटा रूममे जाइत अछि आओर जँ कोनो दोसर कमरा मे अथवा ऑफिस केर कोनो अन्य हिस्सा मे किओ व्यक्ति खांसि रहल अछि, ओकरा इंफेक्शन छै त’ ओ एसी केर हवा सं एक कमरा सं दोसर कमरा मे सेहो पसरि जाइत छै। डॉक्टर गुलेरिया कहलिन कि अगर विंडो एहन छै आ ओ घरक एकटा कमरा मे लागल अछि त’ एसी चलबय मे कोनो डरबाक बात नञि अछि।

सेंट्रल एसी सँ संक्रमण केर खतरा भ’ सकैत अछि. डॉक्टर कहलनि, बहुत अस्पतालमे जतय कोरोनाक मरीज भर्ती भ’ रहल अछि, ओतय सेंट्रल एसी बंद क’ आब विंडो एसी लगायल जा रहल अछि। जेना-जेना गर्मी बढ़तै डॉक्टर लेल कोरोना मरीजक इलाज करबा मे मुश्किल होएत।