कोरोना वायरस कें रोकए लेल एखन देश मे 40 दिन सं लॉकडाउन अछि आ ई 3 मई क’ समाप्त भ’ सकैत अछि. गृह मंत्रालय संग साझा प्रेस वार्ता मे स्वास्थ्य मंत्रालय बतओलक जे 16 जिला मे पिछला 28 दिन सं कोनो केस सामने नै आयल अछि. जखन 3 जिला एहन अछि जतय कोनो कोरोना केस नै आयल अछि. गृह मंत्रालय कहलक जे लॉकडाउन केर दौरान देशक 80 फीसदी मंडी केर संचालन शुरू कएल जाएत.

स्वास्थ्य मंत्रालय कहलक जे 16 जिला मे पिछला 28 दिन सं कोनो केस सामने नै आयल अछि जखन 14 दिन मे 85 जिला मे कोरोनाक कोनो नबका केस सामने नै आयल अछि. 3 जिला एहनो अछि, जतय कोनो केस सामने नै आयल अछि.

स्वास्थ्य मंत्रालय केर संयुक्त सचिव लव अग्रवाल कहलनि, कोरोना कें ल’ मरीजक रिकवरी रेट बढि रहल अछि. एखन रिकवरी रेट 22.71 फीसदी भ’ गेल अछि. स्वास्थ्य मंत्रालय कहलक जे कोरोना मरीजक संख्या 27,892 भ’ गेल अछि. देश मे एखन धरि कोरोनाक 20,835 एक्टिव केस अछि जखन कि 6,184 लोक कोरोना सं ठीक भ’ चुकल अछि. पछिला 24 घंटा मे कोरोनाक एक हजार सं ज्यादा केस (1,396 केस) सोझां आएल. जखन कि एहि दौरान 381 मरीज ठीक भेल अछि.

स्वास्थ्य मंत्रालय इहो कहलक जे रेड और ऑरेंज जोन मे लगातार सतर्कता बरतल जी रहल अछि. यूपी-पंजाब केर एक-एक जिला सं 28 दिन बाद नव कोरोना केस सामने आयल अछि.

किछु गतिविधि केर इजाजतः गृह मंत्रालय

गृह मंत्रालयक प्रवक्ता पुण्य सलिला श्रीवास्तव कहलनि जे लॉकडाउनक दौरान किछु गतिविधि केर इजाजत द’ देल गेल अछि. किछु क्षेत्र मे छूट देल गेल अछि. देशक 80 फीसदी मंडी केर संचालन शुरू कयल जायत. जखन कि 60 फीसदी फूड प्रोसेसिंग शुरू भ’ गेल अछि. किसान लेल खरीद फरोख्त कें आसान बनाओल गेल अछि.

गृह मंत्रालय कहलक जे केंद्र केर टीम टेस्टिंग बढ़बय केर सुझाव देलक अछि. स्वास्थ्य मंत्रालय केर संग पीसी करैत गृह मंत्रालय कहलक जे मनरेगा केर तहत काज तेजी सं चलि रहल अछि. 2 करोड़ मजदूरक काज क’ रहल अछि. ग्रामीण क्षेत्र मे ईंट-भट्ठी पर काज शुरू क’ देल गेल अछि.