Corona Cases: 24 घंटामे पहिल बेर 4 हजार सँ बेसी मृत्यु, चारिम बेर नव केस 4 लाखक पार

0
743

Coronavirus Cases in India Today: भारतमे कोरोना रोगीक कुल संख्या सवा 2 करोड़क करीब पहुंच गेल अछि. अहिमे 37 लाख सँ बेसी रोगी अखनो संक्रमित अछि. दुनियामे सभसँ बेसी तेजी सँ केस प्रत्येक दिन भारतेमे बढ़ि रहल अछि.

नई दिल्ली: देशमे आब प्रत्येक दिन ने मात्र केस बढ़ि रहल अछि, बल्कि मृत्यु के मामिलामे सेहो बड़का इजाफा भ’ रहल छै. पहिल बेर भारतमे एक दिनमे चारि हजार सँ बेसी मृत्युक आंकड़ा सामने आयल अछि. ओतय, चारिम बेर आओर लगातार तेसर दिन 4 लाख सँ बेसी कोरोनाके मामिला सोझा आयल अछि. स्वास्थ्य मंत्रालयके दिस सँ जारी ताजा आंकड़ाके अनुसार, पिछला 24 घंटामें 401,078 नव कोरोना केस आयल आओर 4187 संक्रमित सभक जान चलि गेलनि. मुदा 3,18,609 लोक कोरोना सँ ठीक सेहो भेलनि अछि.

7 मई तक देशभरिमे 16 करोड़ 73 लाख 46 हजार 544 कोरोना डोज देल जा चुकल अछि. बीतल दिन 22 लाख 97 हजार 257 टिका लगायल गेल. ओतहि एखनधरि कुल 29 करोड़ 67 लाख सँ बेसी टेस्ट कयल गेल अछि. बीतल दिन 19 लाख कोरोना सैंपल टेस्ट कयल गेल, जकरि पॉजिटिविटी रेट 21 फीसदी सँ बेसी छल.

देशमे आई कोरोनाके ताजा स्थिति-

कुल कोरोना केस- दो करोड़ 18 लाख 92 हजार 676

कुल डिस्चार्ज- एक करोड़ 79 लाख 30 हजार 960

कुल एक्टिव केस- 37 लाख 23 हजार 446

कुल मृत्यु- 2 लाख 38 हजार 270

महाराष्ट्रमे सभसँ बेसी भयावह स्थिति
महाराष्ट्रमे शुक्रदिन कोविडके 54,022 नव मामिला आबय सँ संक्रमितक संख्या बढ़िकय 49 लाख 96 हजार 758 भ गेल. संक्रमण सँ 898 रोगीके सेहो मृत्यु भ गेल. राज्यमे अखनि धरि तक 74,413 लोकक मृत्यु भ’ चुकल अछि. राज्यमे एक दिन पहिले संक्रमणके 62,194 मामिला आयल छल. अस्पताल सँ 37,386 आओर रोगीके छुट्टी भेटलाक सङ्ग एखनि धरि तक 42,65,326 लोक संक्रमण सँ उबरि चुकल अछि. राज्यमे उपचाराधीन रोगोंके संख्या 6,54,788 अछि. ओतय, पछिला 24 घंटामे 2,68,912 नमूनाके जांचल गेल . मुंबईमे संक्रमणके 3040 नव मामिला आयल आओर 71 रोगीके मृत्यु भ गेल. पुणे, नासिक, कोल्हापुर आओर सांगली जिला सभमे चारु शहरके तुलनामे ग्रामीण इलाके सँ संक्रमणके बेसी मामिला आबि रहल अछि.

देशमे कोरोना सँ मृत्यु दर 1.09 प्रतिशत अछि जखनि की रिकवरी रेट 82 प्रतिशत सँ बेसी अछि.