सिक्किमके मुख्यमन्त्री दरिभङ्गा एयरपोर्ट सँ दिल्ली गेलाह।

0
263

16 अप्रैल 2022 :- सिक्किमके मुख्यमंत्री श्री प्रेम सिंह तमांग सिक्किम सँ सड़क मार्ग द्वारा किशनगंज, पूर्णियाँ, अररिया, सुपौल आओर मधुबनी होइत जिला अतिथि गृह, दरिभङ्गा आयल छलाह।


तमांग कहलनि जे बागडोगराके बाद दरिभङ्गा एयरपोर्ट सिक्किमके सभ सँ लगमे एयरपोर्ट अछि। दरिभङ्गा एयरपोर्ट बनि गेलाह सँ अहि इलाकाके लोक लाभान्वित भ’ रहल अछि।