चीन जखन कोरोना वायरस सं अपन देशक मृतक केर संख्या मे इजाफा केलक त’ अमेरिकाक राष्ट्रपति चीन कें फटकार लगलबैत कहलनि जे चीनक वास्तवमे मरयवाला केर संख्या बहुत बेसी अछि, वास्तविक मृतकके संख्या अमेरिका सं बेसी अछि.

संदेहास्पद अछि चिनक आँकड़ा

चीनमे कोरोना वायरस सं मरयबलाक संख्या शुरू सं संशय केर दायरा मे छल. एहि बीच चीन एकाएक सं 1290 मृत्युक जानकारी दुनिया कें देलक.इ मृत्युक जानकारी दुनिया अखन धरि नहि बुझने छल. अहि केर संग चीनक आंकड़ा मे बढ़ोतरी भेल.

चीन मे अमेरिका सं बेसी मौत

अमेरिकाक राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंप एहि घटनाक्रम पर ट्वीट द्वारा प्रतिक्रिया देलनि. ट्रंप कहलिन, “चीन अदृश्य शत्रु केर कारण सं होबयवाला मौत केर आंकड़ा कें दूगुना क’ देलक। ई संख्या अहू सं बेसी अछि…अमेरिका सं ज्यादा…एकर आस पास नहि…”

चीन अचानक बढ़ौलक मौत केर आंकड़ा

कही दी जे एहि सं पहिने कोरोना वायरस केर केंद्र रहल वुहान शहरक अधिकारी सब ओतुका मौतक आंकड़ा में पचास फीसदी बढ़ोतरी क’ देलक. अधिकारी कहलनि जे ओ लोकनि वुहान केर मौतक आंकड़ा मे 1290 नव मौत जोड़लनि अछि. वुहान मे पहिने कोरोना वायरस केर कारणें 2579 मौत देखाओल गेल छल. मुदा असलियत मे मौत केर संख्या 3869 छल. ई नव आंकड़ा 2579 मे 1290 जोड़ला सं भेल अछि.

संगहि चीन मे कोरोना वायरस सं भेल कुल मौत केर आंकड़ा बढ़ि क’ 4632 भ’ गेल अछि. बता दी जे अमेरिका कतेको बेर चीन पर कोरोना वायरस सं भेल मौत केर आंकड़ा मे गड़बड़ी करय आ एकरा नुकएबाक आरोप लगओने छल.