मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शुक्रदिन पटना मे निर्मित आधुनिक सुविधा वला अंतर्राज्यीय बस टर्मिनल (आईएसबीटी) आ कृषि भवन कें उद्घाटन करता।

आईएसबीटीक उद्घाटन समारोह साँझ मे पांच बजे होयत। नगर विकास एवं आवास विभाग आ बुडको कार्यक्रम फाइनल भेला पर तैयारी शुरू क’ देलक। उद्घाटन कें संग आईएसबीटी सं फेज-1 मे बस कें परिचालन शुरू भ’ जायत। अहिसँ बिहारे नहि दोसर राज्य सं सड़क परिवहन सेवा सुगम भ’ जायत।

राज्यक विभिन्न कोना सं सब दिन हजाराक संख्या मे लोक पटना अबैत अछि। दोसर शहर सं आवागमन केर समुचित व्यवस्था एवं यात्री बस कें व्यवस्थित संचालन कें लेल वित्तीय वर्ष 2017-18 मे मौजा पहाड़ी मे अंतर्राज्यीय बस टर्मिनल (आइएसबीटी) योजनाक प्रशासनिक स्वीकृति प्रदान कयल गेल छल। अहि योजनाक लागत 339 करोड़ 22 लाख अछि। आईएसबीटी तमाम अत्याधुनिक सुविधा सं सुसज्जित अछि। एकरा तीन भाग मे बाटि क ‘ बनाओल गेल अछि।

विभिन्न क्षेत्र सं आबय वला बस कें लेल अलग टर्मिनल संगहि यात्री सुविधाक सेहो विशेष इंतजाम कयल गेल अछि। एकरा अलावा वाणिज्यिक ब्लॉक सेहो बनाओल गेल अछि। ओतय बनल दुकान कें बस अड्डाक संचालन आ रखरखाव कें लेल बनल समिति आवंटित करत। बीतल दिन राज्य कैबिनेट अंतर्राज्यीय बस टर्मिनल सोसाइटी, पटना नामक अहि शासी निकायक गठन कें सेहो मंजूरी प्रदान केने छल।

चाइर अन्य बस स्टैंडक होयत उद्घाटन

मुख्यमंत्री पटनाक आईएसबीटी कें संगहि चाइर अन्य जिलाक बस स्टैंडक सेहो उद्घाटन करता । अहिमे औरंगाबाद, आरा, झाझा आ नवादा कें बस स्टैंड शामिल अछि।

कृषि भवनक भूकंपरोधी तकनीक सं कयल गेल निर्माण

मीठापुर मे नवनिर्मित कृषि भवनक उद्घाटन शुक्रदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार करता। अहि भवन मे एकटा छत कें नीचा कृषि विभागक पूरा कार्यालय होयत। कृषि भवनक ग्रीन बिल्डिंगक तर्ज पर बनाओल गेल अछि । 17 वाटर हार्वेस्टिंग आ एकटा वाटर बॉडी कें चारों तरफ हरियाली सं आच्छादित कयल गेल अछि। भवनक निर्माण भूकंपरोधी तकनीक सं कयल गेल अछि। ई फायर फाइटिंग, सीसीटीवी कैमरा आदि आधुनिक सुविधा सं लैस अछि। कृषि भवनक संगहि, पूरा परिसर मे निर्मित भवन केर डिजाइन ग्रीन बिल्डिंग कॉन्सेप्ट पर कयल गेल अछि। पूरा परिसर मे हरित क्षेत्रक विशेष प्राथमिकता देल गेल अछि । भवन कुल 23.8018 एकड़ क्षेत्र मे फैलल अछि।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु