बिहार मे आइ सं 12 जुलाइ तक भारी बारिश केर चेतावनी क’ देखैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमर आपदा प्रबंधन आ जलसंसाधन विभाग कें संग-संग सभ’ संबंधित डीएम क’ पूर्ण तरहे अलर्ट रहबाक निर्देश देलनि अछि।
मौसम पूर्वानुमान एजेंसि कें माध्यम सं प्राप्त सूचना कें आधार पर जल संसाधन विभाग आठ सं 12 जुलाई तक बागमती बेसिन मे भारी बारिश केर सूचना देने अछि। ई सेहो कहल गेल अछि जे भारी बारिश केर संभावना सं पूर्वी चम्पारण, शिववहर, सीतामढ़ी, मुजफ्फरपुर, समस्तीपुर, मधुबनी, दरभंगा, बेगूसराय, खगड़िया, सुपौल, सहरसा, मधेपुरा, भागलपुर आ बांका जिला में बाइढ़ कें संभावना बैन सकेत अछि।
मुख्यमंत्री आपदा प्रबंधन विभाग कें प्रधान सचिव क’ निर्देश देलनि अछि जे सभ’ संबंधित जिलाधिकारि क’ पहिने सं अलर्ट क’ देल जाय। तटबंधक निकट रहय वला लोक कें बीच माइक सं एकर विशेष रूप सं प्रचार-प्रसार कराओल जाय, ताहिसँ लोक क’ शिफ्ट करबाक काज त्वरित गति सं भ’ सके।
मुख्यमंत्री जल संसाधन विभाग क’ निर्देश देलनि अछि जे अपन सभ’ अभियंत क’ संवेदनशील स्थल पर पूर्ण रुपे अलर्ट राखि, जाहिसँ तटबंधक पूर्ण सुरक्षा कयल जा सकत। मुख्यमंत्री ई सेहो निर्देश देलनि जे जिला मे पूर्व सं प्रतिनियुक्त एनडीआरएफ एवं एसडीआरएफ केर टीम क’ सेहो पूर्ण तरहे अलर्ट मोड मे रखल जाय, जाहिसँ कोनो भी प्रतिकूल स्थिति मे त्वरित कार्रवाइ कयल जा सकत।