बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे फिल्म अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत केर मृत्युक मामला मे केंद्रीय जांच ब्यूरो (सीबीआई) कें जांच सं हुनक करोड़ों प्रशंसक मे इंसाफ कें उम्मीद जागल अछि। सीएम सोमदिन जनता दल यूनाइटेड (जदयू) केर पहिल ऑनलाइन रैली ‘निश्चय संवाद’ कें माध्यम सं बिहार विधानसभा चुनाव प्रचारक शंखनाद कें दौरान कहलनि जे अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत कें मृत्यु सं खालि परिवार नहि, बिहार नहि बल्कि देश कें करोड़ों लोक कें सदमा लागल अछि।

नीतीश कुमार कहलनि जे जाहि तरीका सं अहि मामलाक जांच होबाक चाहि छल ओ नहि भ’ रहल छल। हुनक पिता जखन पटना मे केस दर्ज करओलनि तखन तत्काल जांच शुरू भेल। बाद मे जखन हुनक पिता सहमति देलनि तखन बिहार सरकार मामलाक सीबीआई सं जांच करबाक अनुशंसा केलक। सुप्रीम कोर्ट सेहो बाद मे अहि पर अपन सहमति देलक।

मुख्यमंत्री कहलनि जे उम्मीद अछि जे सीबीआई केर जांच मे सत्य सामने आयत आ परिवार कें न्याय भेटत। ओ कहलनि जे जखन अहि मामला मे न्याय भेटत त’ स्वगीर्य सुशांत सिंह राजपूत कें चाहय वला करोड़ों लोक कें संतोष भेटत।

सीएम नीतीश कुमार अहि दौरान फिल्म अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत कें अलावा पूर्व राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी, कोरोना संक्रमणक कारण मृत्य भेल भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) आ अपन पार्टी कें नेता, कार्यकर्ता आ किछ कें संबंधि कें सेहो श्रद्धांजलि अर्पित केलनि।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु