देश-विदेश

COVID-19: पीएम मोदीके काल्हि मुख्यमन्त्री सभ सङ्ग 5म बैसकी, वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगके माध्यम सँ सभ सँ पैघ होयत मीटिंग

नई दिल्ली: कोरोना वायरसके ध्यानमे राखैत प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी एक बेर फेर सँ सभटा राज्यके मुख्यमंत्री…

बिहार कैबिनेट सात एजेंडा पर लगओलक मोहर, कृषि इनपुट सब्सिडी लेल 151 करोड़ स्‍वीकृत

बिहार कैबिनेट केर बैठक भेल छल। मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार स्वयं एकर अध्‍यक्षता केलनि। सोशल डिस्‍टेंसिंग केर पालन करैत लॉकडाउनक दौरान बिहार कैबिनेट केर ई तेसर बैठक छल।

CM नीतीश केर एलान, क्वारनटीन कें बाद मजदूर कें आपस भेटत किराया

प्रवासी मजदूरक रेल किराया पर बिहार सरकार नीक फैसला लेलक अछि. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे अन्य राज्य सं श्रमिक स्पेशल ट्रेन सं आपस आबयबला मजदूर केर किरायाक राशि प्रदेश सरकार आपस क’ देत.

SBI द’ रहल सस्ता लोन, 6 मास नहि लागत EMI – STATE EMERGENCY LOAN

एखन सब कें टाका चाही, काज-धंधा चौपट भेल छै. एहना मे SBI एकटा नीक ऑफर अनलक अछि. आब परेशान होएबाक काज नै छै. सरकारी बैंक SBI (State Bank of india) इमरजेंसी लोन (Emergency Loan) ल’क’ आयल अछि. एहि लोन कें लेबय लेल अहाँ कें बैंक जेबाक सेहो जरूरति नहि अछि.

भाजपा केर आरोप, राताराती शव कें ममता सरकार करैए निपत्ता

बंगाल मे कोरोना वायरस कें ल’ जमि क’ राजनीति भ’ रहल अछि. भारतीय जनता पार्टी (बीजेपी) केर राज्य इकाइ ट्विटर पर एकटा वीडियो पोस्ट करैत आरोप लगओलक जे राज्य मे कोरोना सं मरएबला एक आओर व्यक्तिक शव कें रातिक अन्हार मे चोरा-नुका क’ अंतिम संस्कार करबाक प्रयास कएल जा रहल अछि आ ई किन्नहु उचित बात नै अछि.

नीतीश सरकारक लापरवाही, ‘बिहार मे भुखमरी पर लाखो परिवार

बिहार सरकार कें एकटा आओर लापरवाही सामने आयल अछि. दरअसल, केंद्र सरकार बिहार सरकार सं अतिरिक्त राशन कार्ड धारक केर लिस्ट मांगने छल, जे अखन धरि राज्य दिस सं नहि आयल अछि.

जियो-फेसबुक जुगलबंदी: की भारत बनि सकत विश्व केर बिज़नेस हब?

कोरोना वायरस महामारी केर बीच रिलायंस जियो प्लेटफॉर्म्स मे फेसबुकक 43,574 करोड़ रुपयाक निवेश, ई साबित करैत अछि जे विदेशी कंपनी सब कें भारतीय अर्थव्यवस्थाक क्षमता आ भविष्य मे एकर विकास पर पूर्ण भरोसा अछि.