बिहारक भागलपुर क्षेत्र मे उगय वला प्रसिद्ध आ सुगंधित करतनी चाउर बेचत पतंजलि! सबौर स्थित बिहार कृषि विश्वविद्यालय (बीएयू) कतरनी चाउर कें ल' उत्तराखंड स्थित पतंजलि आयुर्वेद लिमिटेड कें समझौताक पेशकश केने अछि। एकरा ल' बीएयू कें कुलपति पतंजलि कें प्रबंध निदेशक कें पत्र लिखने अछि।
देश मे एक बेर फेर बिहारी युवा अपन प्रतिभा कें लोहा मनबोलैथ। बेगूसराय कें अनुराग कुमार प्रधानमंत्री आत्मनिर्भर प्रतियोगिता मे प्रथम स्थान प्राप्त केलनि। अनुराग कें सबसा निक आ उपयोगी मोबाइल एप्लिकेशन बनाबय लेल देश मे प्रथम स्थान भेटलनि।
बिहार मे कोरोनाक जांच कें लेल सरकारी एम्बुलेंस सेवा उपलब्ध कराओल जायत। उच्च जोखिम वला मरीज कें कोरोनाक जांच लेल एम्बुलेंस सेवा उपलब्ध करेबाक निर्णय लेल गेल अछि।
बॉलीवुड अभिनेता दिवंगत सुशांत सिंह राजपूत केसके सिलसिला मे मुंबई मे जांच क' रहल बिहारक पटना पुलिस केर एसआईटी कें लीड करबाक लेल गेल आईपीएस अधिकारी विनय तिवारी आइ अओताह पटना।
बॉलीवुड एक्टर सुशांत सिंह राजपूत सुसाइड केसके जांच करबाक लेल मुंबई पहुंचल पटनाक एसपी सिटी विनय तिवारी कें क्वारंटाइन कें ल' पटनाक रेंज आईजी संजय सिंह कें पत्रके जवाब बीएमसीक अफसर देलक।
बिहार मे उफनैत नदिक पानि सं नव क्षेत्रक जलमग्न भ' गेला सं बाढिक स्थिति बेसी बिगैर गेल अछि। राज्य कें 14 जिला मे 56 लाख सं अधिक लोक बाढि सं प्रभावित भेल अछि, जाहिमे, सं 4,18,490 लोक केर अखन धरि सुरक्षित स्थान धरि पहुंचाओल जा चुकल अछि।
सुशांत सिंह राजपूत केसके जांच करबाक लेल गेल बिहार पुलिसक अधिकारिक लेल सुराग इकट्ठा करय मे बेसी समस्या भ' रहल अछि । एकर कारण बताओल जा रहल अछि जे मुंबई पुलिस ओहि तरहे सहयोग नहि क' रहल अछि।
बॉलीवुड अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत केर मृत्युक मिस्ट्री सुलझाबय मे जुटल पटना पुलिस एसआईटीक तफ्तीशक प्रक्रिया आगू बढ़ल। अहि कड़ी मे पुलिस टीम दिल बेचारा फिल्म निर्देशक मुकेश छाबड़ा सं देर राइत बयान लेलक।
बिहारक पीएमसीएच मे पहिल बेर भर्ती मरीजक लेल मेडिकल बुलेटिन जारी होयत। अहिमे हुनकर परिजनक स्थिति केर ब्यौरा बताओल जायत। ई व्यवस्था अखन कोविड वार्ड मे भर्ती मरीज कें लेल लागू होयत।
मानसून कें अक्षीय रेखा झारखंड कें ओर शिफ्ट भेला सं नेपाल सं सटल तराई वला जिला में बरखाक तीव्रता मे कमी आयल अछि। जखन बंगालक खाडी क्षेत्र सं आबि रहल वला हवा केर कारण सं अखनो तराई वला इलाका मे किछू स्थान पर भारी बरखाक आसार अछि।
बिहार मे बाढि ग्रस्त इलाका कें हरेक प्रभावित परिवार कें सरकारक ओर सं 6-6 हजार देबाक प्रक्रिया शुरू भ' गेल अछि। राहत शिविर मे प्रभावितक सूची बनाओल जा रहल अछि। नकदीक संगे जिनकर घर, कपड़ा आ बर्तन कें नुकसान भेल होयत, हुनका अहि सप्ताह सं पैइसा मिलय लागत।
रबी मे कोरोना सं झुलसलाक बाद मानसून किसान मे आस जगओने छल। साल बाद आषाढ़ मे एतय बेसि बारिश भेल छल । किसान बेसि क' धनरोपनी सेहो केने छला। फसल लहेनाइ शुरू भेल छल की सावन किसानक आस पर पानि फेर देलक।
बिहार मे बाढ़ि सं हाहाकार मचाल अछि। राज्यक उत्तरी हिस्साक 10 जिला पूर्ण रूप सं प्रभावित भेल अछि। जनजीवन अस्त-व्यस्त भ' गेल अछि, परन्तु अहि मुश्किलक बीच सेहो उम्मीदक किरण देखबाक मिलल। बाढ़िक कठिनाइ मे फंसल एकटा परिवार मे जिंदगीक आहट सं खुशिक सैलाब आबि गेल अछि।
पटना जिला मे कोरोना संक्रमितक आंकड़ा पांच हजार कें पार पहुंच गेल अछि। शुक्रदिन एकटा डॉक्टर, 31 स्वास्थ्यकर्मी, मसौढ़ी नगर परिषद कें कार्यपालक पदाधिकारी, सिटी मजिस्ट्रेट समेत रिकॉर्ड 553 संक्रमित मिलल।
बिहार कें 10 जिलाक करीब 6.36 लाख आबादी बाढ़ि सं प्रभावित अछि आ 18,612 लोक क' सुरक्षित ठिकाना पर पहुंचा देल गेल अछि। आपदा प्रबंधन विभाग सं प्राप्त जानकारी कें अनुसार प्रदेश कें 10 जिला सीतामढ़ी, शिवहर, सुपौल, किशनगंज, दरभंगा, मुजफ्फरपुर, गोपालगंज, पूर्वी चम्पारण, पश्चिम चंपारण एवं खगड़िया जिला कें 55 प्रखंड कें 282 पंचायत केर करीब 6.36 लाख आबादी बाढ़ि सं प्रभावित अछि।
1,576FansLike
1FollowersFollow
4SubscribersSubscribe

RECENT POSTS