बिहार विधानसभा चुनाव 2020 मे भाजपाक खिलाफ पांच सीट पर लोजपा प्रत्याशी मैदान मे

0
बिहार विधानसभा चुनाव 2020 मे लोजपा दूसर चरणक चुनाव मे 53 प्रत्याशिक कें मैदान मे उतारने अछि। अहिमे पांच सीट गोविंदगंज, लालगंज, राघोपुर, रोसड़ा और भागलपुल पर भाजपा उम्मीदवारक खिलाफ ओ अपन प्रत्याशी ठार केने अछि।

बिहार चुनाव: 2005 कें बाद पहिल बेर 100 सं बेसी सीट पर लड़त LJP

0
वर्ष 2005 कें बाद ई पहिल मौका अछि जखन लोजपा 100 सं बेसी सीट पर चुनाव लड़य जा रहल अछि। वर्ष 2010 मे 75 वा 2015 मे 42 सीट पर ओकर पहलवान मैदान मे उतरल छल।

बिहार चुनाव : सीएम नीतीश कुमार आइ वर्चुअल रैली सं करता अपन चुनाव अभियानक...

0
बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सोमदिन सं अपन चुनाव अभियानक शुरुआत करता। ओ वर्चुअल माध्यम सं दू दिन मे 35 विधानसभा क्षेत्रक एनडीए कार्यकर्ता आ ओतय कें आम जनता कें संबोधित क' एनडीए प्रत्याशिक जीतक अपील करता।

बिहारक 50 सीट पर चुनाव लड़त शिवसेना, मुदा ‘धनुष आ तीर’ नहि होयत सिंबल,...

0
शिवसेना बिहार विधानसभा चुनाव मे 50 सीट पर चुनाव लड़त। पार्टीक राज्यसभा सांसद अनिल देसाई न्यूज एजेंसी पीटीआई सं बात करैत कहलेथि जे ओ बिना कोनो गठबंधन कें चुनावी मैदान मे उतरता।

Unlock-5: बिहार मे 15 सं सब किछू खुलत, मुदा किछू शर्तक संग

0
बिहार सरकार 15 अक्टूबर सं तमाम तरहक गतिविधिक सशर्त अनुमति द' देने अछि। पांच दिन बाद राज्य मे सामाजिक, शैक्षणिक, राजनीतिक, धार्मिक, खेल समेत अन्य गतिविधि शुरू भ' जायत। सरकार अहि गतिविधिक लेल शर्त तय करैत मानक संचालन प्रक्रिया (एसओपी) जारी क' देने अछि।

रामविलास पासवान गिनीज बुक ऑफ वर्ल्ड मे 2-2 बेर दर्ज करबओने छथि अपन नाम

0
रामविलास पासवान कें शानदार व्यक्तित्व देशक युवा पीढ़ी कें राजनीतिज्ञ, सामाजिक कार्यकर्ता कें संगहि देश कें सभ' वर्गों कें लेल लंबा समय धरी प्रेरणादायी बनल रहत। संविधान निर्माता बाबा साहब भीमराव अंबेडकर आ राष्ट्रीय स्तर पर ख्याति प्राप्त दलित नेता जीवन बाबू कें बाद देशवासी राष्ट्रीय स्तर कें दलित नेता मानैत छलनि।

ओवैसी संगहि बिहार मे बनल नया गठबंधन, उपेंद्र कुशवाहा मुख्यमंत्री पद कें उम्मीदवार

0
विधानसभा चुनाव कें लेल बिहार मे एकटा नया गठबंधन बनल अछि। अहिमे असदुद्दीन ओवैसी केर ऑल इंडिया मजलिस ए इत्तेहादुल मुस्लिमीन (एआईएमआईएम) आ मायावती केर बहुजन समाज पार्टी (बीएसपी) कें संगे समाजवादी दल डेमोक्रेटिक, जनतांत्रिक पार्टी सोशलिस्ट आ रालोसपा शामिल अछि।
Gupteshwar Pandey

पूर्व डीजीपी गुप्तेश्वर पांडेय कें नहि भेटलनि टिकट, कहलनि- संघर्ष मे बीतल हमर जीवन

0
बिहारक पूर्व डीजीपी गुप्तेश्वर पांडेय कें बिहार विधानसभा चुनाव मे विधायकी कें टिकट नहि भेटल अछि। हाल मे ओ भारतीय पुलिस सेवा (आईपीएस) कें नौकरी सं वीआरएस ल' लेने छलाह आ जनता दल यूनाइटेड (जेडीयू) कें सदस्यता ग्रहण केने छलाह।
nada

BJP Seats List: बिहार विधान सभा चुनाव 2020 कें लेल BJP केर 121 सीटक...

0
बिहार विधानसभा चुनाव (Bihar Vidhan Sabha Chunav 2020) कें ल' एनडीए मे सीटक बंटवारा भ' गेल। जेडीयू कें खाता मे 122 सीट जखन भाजपा कें 121 सीट भेटल अछि। जदयू (JDU) अपन खाता सं 7 सीट जीतन राम मांझी केर हम पार्टी कें दैत।

Bihar Assembly Elections 2020: नीतीश कुमार लेलनि बड़का फैसला, दागी विधायक कें JDU नहि...

0
सत्ताधारी जदयू आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार निर्णय लेलनि जे हुनक दल को कोनो दागी विधायक कें अपन प्रत्यासी नहि बनाओत।

बिहार मे चलल चुनाव आयोग कें चाबुक, 27 पूर्व प्रत्याशि कें चुनाव लड़य पर...

0
बिहार विधानसभा आम चुनाव मे बिहार कें 27 पूर्व प्रत्याशि कें चुनाव लड़य पर तीन वर्षो कें लेल रोक लगाओल गेल अछि। सभ' प्रत्याशिक समय-सीमा 2021 आ 2022 धरी कें लेल नियत कयल गेल अछि।

महागठबंधन मे सीट बंटवारा कें गुथी सुलझल

0
बिहार विधानसभा  चुनाव कें लेल महागठबंधन मे सीट शेयरिंग कें ऐलान भ' गेल अछि। सैंदिन पटनाक मौर्या होटल मे आयोजित एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस मे एकर घोषणा कयल गेल।

बिहार विधानसभा चुनाव: पहिल चरणक 71 सीट पर नामांकन,अखन धरी नहि तय भेल उम्मीदवार

0
बिहार विधानसभा चुनावक पहिल चरण केर 71 सीट कें लेल आइ सं नामांकन शुरू होयत। राज्यक दूटा बड़का गठबंधन मे सीट बंटवारा कें गुत्थी बुधदिन देर साँझ धरी नहि सुलझल।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं भेट केलथि सुशांतक पिता केके सिंह, जाच सं खुश नहि

0
फिल्म अभिनेता सुशांत सिंह राजपूतक पिता केके सिंह, हुनक बहिन आ बहनोई बुधदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं भेट करय लेल पहुँचला। मुलाकात कें बाद बाहर निकलला पर हुनक पिता कहलनि जे ई एक औपचारिक मुलाकात छल।

बिहार मे स्वास्थ्य विभागक निदेशक, भाजपा नेता समेत 10 केर मृत्यु

0
बिहारक निदेशक प्रमुख, स्वास्थ सेवा डाॅ. उमेश्वर प्रसाद वर्मा, शेखपुरा कें भाजपाक अति पिछड़ा प्रकोष्ठ कें जिलाध्यक्ष अजय चंद्रवंशी समेत 10 मरीजक मंगलदिन काेराेना सं मृत्यु भ' गेल।

Stay connected

20,342FansLike
2,491FollowersFollow
13,900SubscribersSubscribe
- Advertisement -

Latest article

PlanetRomeo Evaluación 2021

0
PlanetRomeo ofrece hombres de posicionamiсitas en San José del Caboto no tradicional para descubrir el perfecto amante para varios funciones: interacción, citas...

Come esattamente Completamente Accetto Appuntamenti Internet

0
Con la sua progressivamente comunanza, molte donne sono cercando incontri online la prima volta. Anche se il goal of online dating on Internet...

Hier ist lernt Männer fallen Sie in 5 ...

0
Sie sind begegnet Herr Richtig und Sie sind vollständig besessen . Jetzt musst du das Angebot und ihn einholen, catch, range und sinker....