बिहार मे कोरोना कें संक्रमण तेजी सं बैढ़ रहल अछि। शुक्रदिन राज्य मे रिकॉर्ड 1742 नबका मामला सामने आयल अछि। एकरा संगे संक्रमितक कुल संख्या 23 हजार कें पार भ' गेल अछि। शुक्रदिन कें जारी भेल स्वास्थ्य विभागक रिपोर्टक अनुसार, बिहार मे नव संक्रमण कें मामला मे ई अखन धरि सर्वाधिक संख्या अछि।
बिहार कें युवा खालि सीमा पर नै, टेक्नोलॉजी कें क्षेत्र मे सेहो चीन क' कड़ा टक्कर द' रहल अछि। देश मे चैल रहल चाइनीज ऐप्स कें बहिष्कारक अभियान आ केंद्र सरकार द्वारा 59 चायनीज ऐप्स क' बैन केलाक बाद ‘मेड इन इंडिया’ ऐप्स बड़ तेजी सं डिमांड मे आयल अछि। अहि क्रम मे दू बिहारी युवागण कें बनाओल ‘मैगटैप’ नामक वेब ब्राउज़र गूगल प्ले स्टोर पर खूब डाउनलोड कयल जा रहल अछि।
बिहार कें मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे चीनक उत्पादक खरीदारी हम सबकेँ नै करबाक चाहि । एकरा लेल पूर्व मे भेल करार पर सेहो विचार करबाक जरूरत अछि। अपना सबकें स्वदेशी सामान क' बढ़ावा देबाक चाहि,...
सुशांत सिंह राजपूत केसके जांच करबाक लेल गेल बिहार पुलिसक अधिकारिक लेल सुराग इकट्ठा करय मे बेसी समस्या भ' रहल अछि । एकर कारण बताओल जा रहल अछि जे मुंबई पुलिस ओहि तरहे सहयोग नहि क' रहल अछि।
बिहारक पीएमसीएच मे पहिल बेर भर्ती मरीजक लेल मेडिकल बुलेटिन जारी होयत। अहिमे हुनकर परिजनक स्थिति केर ब्यौरा बताओल जायत। ई व्यवस्था अखन कोविड वार्ड मे भर्ती मरीज कें लेल लागू होयत।
कोरोना महामारी कें बढ़ैत कहर सं बिहार सहित पूरा देश परेशान अछि। आब ई महामारीक डर कें बीच अंधविश्वाास सेहो घुसल अछि। अहि अंधविश्वाेस मे बिहार कें गोपालगंज जिलाक हथुआ स्थित एकटा गांव मे महिला सब कोरोना मायाक पूजा-अर्चना करय लागलि ।
केंद्रीय गृह मंत्रालय द्वारा लॉकडाउन 5.0 कें नव गाइडलाइन जारी को देल गेल अछि। एकर प्रावधान देश मे एक जून सं लागू भ' रहल अछि, बिहार मे अलगा 15 जून तक कोनो राहत मिलइत नै देखा रहल अछि। राज्‍य मे लॉकडाउन 5.0 ( Lockdown 5.0) कें तहत 15 जून तक लाकडाउन 4.0 केर प्रावधान लागू रहत।
बिहार कें 'द माउंटेन मैन' नाम सं विख्यात आ गया निवासी दशरथ मांझी कें परिवार कोरोना लॉकडाउन आ बच्चीक एक्सीडेंटक कारण सं कर्ज मे डूबि गेल अछि। अहि कारण सं हुनक परिवार आब सरकार सं मदद केर गुहार लगा रहल अछि।
कोरोनावायरस कें बढ़यत संक्रमण कें देखैत बिहार सरकार ई फैसला लेने अछि जे की संक्रमण वला क्षेत्र मे लॉकडाउन जारी रहत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जदयू कें वर्चुअल सम्मेलन कें दौरान एकर ऐलान केलनि।
Bihar Board 10th Result 2020: बिहार स्‍कूल एग्‍जामिनेशन बोर्ड, बीएसईबी (Bihar School Examination Board, BSEB) 10माके रिजल्ट आबि सकैछ. बता दी जे की बिहार बोर्ड फरवरीमे परीक्षा आयोजित कयने छल आओर 12वाके परिणाम, मार्च 2020 मे आबि...
बिहार मे कोरोना संक्रमणक सबसा कम शिकार बच्चा आ 60 वर्ष सं बेसी उम्रक व्यक्ति अछि। अहिमे सेहो अखनि धरि बच्चा सं बुजुर्गक तुलना मे एक फीसदी कम संक्रमित भेल अछि।
किसान अखन किछू दिन सं टिड्डी केर प्रकोप सं आंशकित छला। यूपी मे टिड्डि कें हमला सं बिहारक किसान अलर्ट भ' गेला। परन्तु बिहार कें भागलपुर मे किसान एकटा अलगे प्रकार कें कीट सं परेशान छथ...
बिहार मे बाढ़ि सं हाहाकार मचाल अछि। राज्यक उत्तरी हिस्साक 10 जिला पूर्ण रूप सं प्रभावित भेल अछि। जनजीवन अस्त-व्यस्त भ' गेल अछि, परन्तु अहि मुश्किलक बीच सेहो उम्मीदक किरण देखबाक मिलल। बाढ़िक कठिनाइ मे फंसल एकटा परिवार मे जिंदगीक आहट सं खुशिक सैलाब आबि गेल अछि।
बिहार विधानसभा चुनाव सं पहिने भाजपाक पहिल वर्चुअल रैली आइ आयोजित होबय जा रहल अछि. भाजपा शाम 4 बजे केन्द्रीय गृहमंत्री अमित शाह कें भाषण केर एक लाख सं अधिक लोक सब कें सुनौता. ई रैली पर बिहार मे पोस्टर वॉर केर सेहो शुरूआत भ' गेल अछि, जाहि सं सूबे मे सियासी पारा सेहो चढ़ैत नजर आबि रहल अछि.
बिहार मे कोरोना वायरस कें प्रकोप तेजी सं बढ़ैत जा रहल अछि, प्रतिदिन बेसि संख्या मे कोरोना कें नबका मरीज मिल रहल अछि। एकरा देखैत कोरोना सं बचाव कें मद्देनजर बहुत जिला मे ओतय कें प्रशासन कड़ा कदम उठौने अछि। एकरा तहत बिहार कें 11 जिला मे फेर सं लॉकडाउन लगा देल गेल अछि। अहिमे राजधानी पटना कें संगे कैमूर, बक्सर, नवादा, सुपौल, मधेपुरा, खगड़िया, मुंगेर, किशनगंज, मुजफ्फरपुर,पश्चिमी चंपारण, पूर्वी चंपारण, मधुबनी, नालंदा, भागलपुर, बेगूसराय, मधेपुरा शामिल अछि।
750FansLike
1FollowersFollow
4SubscribersSubscribe

RECENT POSTS