फूड डिलिवरी कंपनी जोमैटो ऑनलाइन ऑर्डर कें द्वारा लोक घर-घर धरि शराब पहुँचेबाक तैयारी क’ रहल अछि. लॉकडाउनक बीच देश मे शराबक कारोबार खोलि देल गेल अछि. संगहि शराब केर जमि क’ बिक्री भ’ रहल अछि. कंपनी एकर फायदा उठाबय चाहैत अछि.

की अछि कंपनी केर प्रस्ताव

न्यूज एजेंसी रॉयटर्स केर एकटा खबरि मे कहल गेल अछि जे कंपनी एकरा लेल इंटरनेशनल स्पिरिट्स ऐंड वाइन एसोसिएशन ऑफ इंडिया (ISWAI) कें प्रस्ताव देने अछि. लॉकडाउनक वजह सं कंपनी केर फूड डिलिवरी कारोबार बहुते नीचां चल गेल अछि. एहना मे अहि नबका कारोबार मे प्रवेश क’ अपन अस्तित्वक बचाव करय चाहैत अछि. जखन कि हाल मे जोमैटो  ग्रॉसरी केर डिलिवरी सेहो शुरू क’ देने अछि.

खुजि गेल अछि शराब केर दुकान

देश मे लॉकडाउनक पहिल चरण 25 मार्च कें लागू भेल छल जाहि कें बाद शराब कारोबार पूर्ण रूप सं बंद छल. परन्तु राज्य सरकार राजस्व केर तंगीक वजह सं एहि बातक लेल दबाव बना रहल छल, जे शराबक कारोबार खोलल जाय. एहि कारण सं केंद्र सरकार द्वारा लॉकडाउन केर तेसर चरण मे 4 मई क’ शराबक कारोबार खोलि देल गेल. शराब कारोबार खुजिते देश मे जगह-जगह एकर दुकान पर भारी भीड़ आ लंबा लाइन केर खबरि आबय लागल.

परन्तु कानून बनल छै अवरोधक!

गौर करबाक बात अछि जे भारत मे अखन शराबक होम डिलिवरी केर इजाजत नै अछि. एकरा लेल कंपनी दबाव बना रहल छै जे सरकार कें एकर छूट देबाक चाही . ISWAI एकरा लेल जमि क’ लॉबिंग क’ रहल अछि. ई छूट मिलैत अछि त’ जोमैटो शराब केर होम डिलिवरी शुरू क’ सकैत अछि.