भारत आ चीन कें बीच बनल तनाव कें असर सोशल मीडिया पर सेहो देखबाक मिल रहल अछि. माइक्रोब्लॉगिंग साइट ट्विटर चीन पर बनल एकटा कार्टून क’ ल’ अमूल कें ट्विटर अकाउंट सस्पेंड क’ देलनि. जखन, सोशल मीडिया मे अमूल अकाउंट सस्पेंड करय क’ ल’ यूजर्स केर हंगामा कें बाद ओकर ट्विटर अकाउंट दोबारा चालू क’ देल गेल.

अमूल केर अकाउंट सस्पेंड केलाक एक दिन बाद ट्विटर कहलनि जे एकर कारण सुरक्षा सं जुड़ल प्रक्रिया अछि. ओ कहलनि जे अमूल ब्रांड नाम सं खाद्य उत्पाद बनाबय वला कंपनी गुजरात सहकारी दुग्ध विपणन परिसंघ केर ट्विटर अकाउंट चाइर जून कें साझ मे ब्लॉक क’ देल गेल छल. जखन, अकाउंट पांच जून कें फेर सं शुरू भ’ गेल .ट्विटर केर प्रवक्ता अहि विषय मे कहलनि जे अकाउंट्स कें सुरक्षा हमरा लेल एकटा महत्वपूर्ण प्राथमिकता अछि. ई सुनिश्चित करय कें लेल जे कोनो खाता केर सुरक्षा सं समझौता नै कयल गेल अछि, कखनो खाताधारक कें लेल एक सरल रीकैप्चा प्रक्रिया प्रयोग करैत अछि. ई प्रक्रिया मूल खाताधारक कें लेल आसान अछि, परन्तु स्पैम कें लेले या फर्जी खाताधारक कें लेल ई मुश्किल होयत अछि.

अमूल कें प्रबंध निदेशक आरएस सोढ़ी कहलनि जे कंपनी केर ट्विटर खाता चाइर जून कें राइत मे ब्लॉक कयल गेल. जखन, ट्विटर पर ई मुद्दा उठेबाक बाद पांच जून केर सुबह खाता क’ दोबारा चालू बहाल कयल गेल. ओ कहलनि जे हमर ट्विटर खाता चार जून केर राइत मे ब्लॉक कयल गेल छल आ 5 जून केर सुबह फेर सं बहाल भ’ गेल. ट्विटर सं पूछने छी जे खाता केर ब्लॉक करबाक कारण की छल. जवाब केर इंतजार अछि.