Warning: getimagesize(): Peer certificate CN=`*.web-hosting.com' did not match expected CN=`www.mithila.live' in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(): Failed to enable crypto in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(https://www.mithila.live/wp-content/uploads/2020/05/IMG-20200502-WA0002-300x152.jpg): failed to open stream: operation failed in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Sunday, October 25, 2020
मुख्यपृष्ठ सिनेमा मशहूर कोरियोग्राफर सरोज खान नै रहलि, कार्डियक अरेस्ट कें चलते मुंबई मे...

मशहूर कोरियोग्राफर सरोज खान नै रहलि, कार्डियक अरेस्ट कें चलते मुंबई मे निधन

बॉलीवुड केर मशहूर कोरियोग्राफर सरोज खान (Saroj Khan) आब अपन सब कें बीच नै रहलि. देर राइत हुनकर मुंबई मे निधन भ’ गेल. सरोज कें निधन केर कारण कार्डियक अरेस्ट बताओल जा रहल अछि. कही दी जे, सांस लेबय मे तकलीफ केर शिकायत कें बाद सरोज खान क’ 20 जून क’ बांद्रा स्थित गुरु नानक अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल छल. ओतय, अस्पताल मे भर्ती होबाक बाद सरोज खान केर अनिवार्य कोविड-19 जांच सेहो कयल गेल छल, जाहिमे संक्रमण केर पुष्टि नै भेल छल.

सरोज खान कें जन्म 22 नवंबर 1948 क’ मुंबई मे भेल छल. ओ 72 साल कें छलनि. हुनकर असल नाम निर्मला नागपाल छलनि. ओ 200 सं अधिक फिल्म कें लेल कोरियोग्राफी केने छलि. सरोज पहिने असिस्टेंट कोरियोग्राफर छलि, परन्तु 1974 मे आयल फिल्म ‘गीता मेरा नाम’ सं ओ कोरियोग्राफर बैन गेलि।

कही दी जे, सरोज खान 1986 सं ल’ 2019 तक हजारक संख्या मे बॉलीवुड फिल्म मे गाना क’ कोरियोग्राफ केने छलि, जाहिमे ‘निंबुड़ा-निंबुड़ा’, ‘एक दो तीन’, ‘डोला रे डोला’, ‘काटे नहीं कटते’, ‘हवा-हवाई’, ‘ना जाने कहां से आई है’, ‘दिल धक-धक करने लगा’, ‘हमको आजकल है इंतजार’, ‘चोली के पीछे’ जेहन बहुतरास सुपरहिट आ आइकोनिक गाना शामिल अछि.

Most Popular

PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

बिहार चुनाव : प्रधानमंत्री कें सभा मे आतंकी-नक्सली कें खतराक ल’ अलर्ट जारी

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल' 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता।