बॉलीवुड सं एकटा बहुत चौंकाबय वला खबर सामने आयल अछि. मशहूर एक्टर सुशांत सिंह राजपूत मुंबई मे अपन घर मे फांसी लगा क’ जान द’ देलनि अछि. ओ 34 साल कें छलथ. सुशांत बॉलीवुडक बेहद लोकप्रिय एक्टर छलथ . रिपोर्ट्स कें अनुसार, सुशांत कें किछू दोस्त सेहो हुनकर घर पर छल. हुनकर कमरा कें दरवाजा क’ जखन तोड़ल गेल त’ रूम मे सुशांत फांसी कें फंदा सं लटकल पायल गेला. पुलिस केर रिपोर्ट कें अनुसार, ओ पिछला छह महीना सं डिप्रेशन सं गुजर रहल छला.

ओ अपन करियर केर शुरुआत टीवी एक्टर कें तौर पर केने छला. ओ सबसा पहिल ‘किस देश में है मेरा दिल’ नाम के धारावाहिक मे काम केने छला पर हुनका पहचान एकता कपूर कें धारावाहिक पवित्र रिश्ता सं मिलल. एकर बाद हुनकर फिल्म क’ सफर शुरु भेल छ्ल. ओ फिल्म काय पो छे मे लीड एक्टर कें तौर पर नजर आयल छला, आ हुनकर अभिनय कें तारीफ सेहो भेल छल .