विधानसभा चुनाव 2020 कें लेल BJP देलक नबका नारा: भाजपा अछि तैयार, आत्मनिर्भर बिहार…

बिहार कें पटना मे भाजपाक दू दिवसीय प्रदेश कार्यसमितिक अंतिम दिन वर्चुअल रैली मे भारतीय जनता पार्टी भाजपा बिहार विधानसभा चुनाव 2020 कें लेल नबका नया नारा देलक। भाजपा अछि तैयार, आत्मनिर्भर बिहार…।

0
259

बिहार कें पटना मे भाजपाक दू दिवसीय प्रदेश कार्यसमितिक अंतिम दिन वर्चुअल रैली मे भारतीय जनता पार्टी भाजपा बिहार विधानसभा चुनाव 2020 कें लेल नबका नया नारा देलक। भाजपा अछि तैयार, आत्मनिर्भर बिहार…।

बिहार विधानसभा चुनाव 2020 केर तैयारी कें ल’ आयोजित वर्चुअल रैली मे भाजपा अध्यक्ष जेपी नड्डा संबोधित केलैथ। ओ कहलनि जे विपक्ष कें पास नै कोनो नीति अछि आ नै कोनो संकल्प आ नै सेवा करबाक भाव अछि।

ओ दावा करैत कहलनि जे एनडीए नीतीश कुमार नेतृत्व मे चुनावी मैदान मे जायत आ तीन चौथाई सं अधिक सीट पर जीत हासिल करत। कहलनि जे जखन जखन भाजपा नीतीश कुमार कें संग चुनावी मैदान मे गेल अछि भारी जीत हासिल भेल अछि आ अहि बेर सेहो होयत।

अहि दौरान ओ विपक्ष पर सेहो तंज कसलनि। नेता प्रतिपक्ष आ राजद नेता तेजस्वी पर ओ कहलनि जे कोरोना मे भाजपा कें लोक बिहार सं भागि क’ दिल्ली नै जायत छथि। सुनने छी किछू लोक 5 स्टार होटल मे छला।

अहिसँ पहिने दू दिवसीय कार्यक्रम कें पहिल दिन महाराष्ट्र कें पूर्व मुख्यमंत्री आ बिहार चुनावक कमान संभालय जा रहल देवेंद्र फडणवीस कहलने छला जे अहि बेर होबय वला चुनाव बिहार कें भाग्य अछि। ई चुनाव बिहार कें नव ऊंचाइ पर ल’ जायत आ नव इतिहास बनत। पिछला 15 साल मे बिहार विकास केर पटरी पर आयल अछि। विकासक पटरी पर दौड़बाक अछि त’ देश कें तरहे बिहार मे सेहो एनडीए सरकार जरूरी अछि।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here