बंगाल केर खाड़ी मे उठल तूफान, पटना मे सेहो देखल जायत असर

0
433

राजधानी सहित आसपास कें इलाका मे फेर सं जोरदार बारिश केर संभावना अछि। बंगालक खाड़ी मे बनल तूफान ‘अम्फान’ अगला 48 घंटा मे बिहार मे अपन रंग देखायत। अहि बेर सेहो मानसून सं पहिने एहि तरह कें हालात बनि रहल अछि।

पहिल बेर सेहो मानसून केर आगमन सं ठीक पहिने बंगाल केर खाड़ी मे तूफान बनल छल, ओ ओडिशा मे तबाही मचेने छल। अहि बेर सेहो तूफान बेहद मजबूत छै। आबय वला दू सं तीन दिन मे राजधानी मे हवा केर रफ्तार कें 40 सं 50 किलोमीटर प्रतिघंटा पर जेबाक संभावना बनि रहल अछि। अहि सं गरज आ आंधी कें संग बारिश होयत। बिहार मे तूफानक असर 20 मई कें देखबाक मिलत। ओडिशा सं झारखंड होइत आ बांग्लादेश सं पश्चिम बंगाल होइत तूफान बिहार पहुँचत। अहि प्रदेश कें पूर्वी आ दक्षिणी इलाका मे जोरदार बारिश केर संभावना बनि रहल अछि। पटना सहित प्रदेश केर मध्य आ उत्तरी इलाका मे सेहो एकर असर देखल जायत।

गया आ औरंगाबाद मे त’ रिकॉर्ड तोड़ गर्मी

बिहारक दक्षिणी इलाका मे पहिनहि सं ऊपरी हवा केर चक्रवात बनल अछि। अहि कारण किछु इलाका मे बादल सेहो छा रहल अछि। ओतहि पटना सहित पश्चिमी आ उत्तरी इलाका मे जोरदार गर्मी पड़ि रहल अछि। गया आ औरंगाबाद मे त’ रिकॉर्ड तोड़ गर्मी पड़ि रहल अछि। मई कें महीना मे अहि बेर पहिले बेर तापमान 40 डिग्री केर ऊपर पहुंच गेल अछि। अतय, सोमदिन राजधानी मे सुबह सं देर शाम तक लोक केर तेज गर्मीक सामना करय पड़ल। पटना केर अधिकतम तापमान 39.0 डिग्री सेल्सियस व न्यूनतम 26.6 डिग्री सेल्सियस दर्ज भेल।