Friday, October 30, 2020
मुख्यपृष्ठ मिथिला मूसलाधार पानि सं पटना आ मुजफ्फरपुर जलमग्न- Flood in Bihar

मूसलाधार पानि सं पटना आ मुजफ्फरपुर जलमग्न- Flood in Bihar

दू दिन सं भ’ रहल मूसलाधार पानि सं बिहारक राजधानी पटना आ मुजफ्फरपुर शहर फेर जलमग्न भ’ गेल अछि। एतबे नै लोक सब कें घरक भीतर धरि पानि भैर गेल जाहिमे हुनका सबकेँ बहुत मुसीबत कें सामना करय परल। दुनू शहरक निचला इलाका मे वर्षा कें संग नदीक पानि सेहो फइल रहल अछि।

पटना सहित बहुत जिला मे 72 घंटाक भारी बारिश कें अलर्ट जारी कयल गेल अछि, लोक सब सहमल छथि। कही दी जे प्रदेश मे सामान्य सं 36 फीसदी अधिक बारिश भ’ चुकल अछि। अतय नदि मे उफान एक बेर फिर देखल जा रहल अछि, कोसी आ अवधारा समूहक नदि कें जलस्तर बढ़य लागल अछि।

आइएमडी, पटना कें आधिकारिक जानकारी अनुसार प्रदेशक 30 सं अधिक जिला मे मध्यम सं भारी पानि कें आसार अछि। बेसीतर भारी बारिश कें अलर्ट जारी कयल गेल अछि। भारी बारिश केर कारण सं दिनक तापमान गिर सकेत अछि।

आकाशीय बिजली गिरला सं आठ लोक केर मृत्यु
कोसी, सीमाचंल समेत पूर्वी बिहार मे रैबदिन झमाझम बारिश भेल। दिनभैर आसमान मे बादल छायल रहल। ओतय पइन कें दौरान आफत बैन क’ गिरल आकाशीय बिजली आठ लोकक जान ल’ लेलाक। पूर्णिया मे एकटा परिवार कें तीन सदस्य केर मृत्यु भ’ गेल। किछू जगह पर चपेट मे आबय सं बहुत लोक झूलैस सेहो गेलैथ।

Most Popular

Vi बनल भारत कें सबसा तेज़ मोबाइल नेटवर्क, Airtel नंबर-2, तेसर पर Jio

भारतीय लीडिंग टेलीकॉम VI (Vodafone Idea) भारतक सबसा तेज़ नेटवर्क बनि क' उभरल अछि. 2020 कें तेसर तिमाही कें आँकड़े जारी कयल गेल अछि.

बिहार चुनाव: पहिल चरणक वोटिंग, की टूटत 20 साल पुरान रिकॉर्ड?

बिहार चुनावक पहिल चरणक 71 विधानसभा सीट पर वोटिंग जारी अछि. कोरोना संकटक बीच बिहार मे भ' रहल चुनाव मे मतदाता कें बेसी सं बेसी बूथ धरी ल' जेनाइ आ वोटिंग प्रतिशन बढ़ेबाक चैलेंज अछि.

बिहार मे पहिल फेज कें 71 सीट पर मतदान, 7.29 करोड़ मे सं 2.14 करोड़ वोटर

अहाँके बुझल अछि जे न्यूजीलैंड मे 34.87 लाख वोटर अछि, जतय एक महीना पहिने चुनाव भेल छल। आब अहाँ सोचैत हेब जे बिहार मे न्यूजीलैंड कें बात किएक?

बिहार चुनाव: बिहारक 71 सीट कें लेल मतदान, कोना करी EVM आ VVPAT सं वोटिंग ?

बिहार विधानसभा चुनावक पहिल चरणक वोटिंग (First Phase Voting) 28 अक्टूबर कें होबय जा रहल अछि।