बिहार चुनाव: 2005 कें बाद पहिल बेर 100 सं बेसी सीट पर लड़त LJP

वर्ष 2005 कें बाद ई पहिल मौका अछि जखन लोजपा 100 सं बेसी सीट पर चुनाव लड़य जा रहल अछि। वर्ष 2010 मे 75 वा 2015 मे 42 सीट पर ओकर पहलवान मैदान मे उतरल छल।

0
343

वर्ष 2005 कें बाद ई पहिल मौका अछि जखन लोजपा 100 सं बेसी सीट पर चुनाव लड़य जा रहल अछि। वर्ष 2010 मे 75 वा 2015 मे 42 सीट पर ओकर पहलवान मैदान मे उतरल छल। अहि बेर पार्टीक ऐलान अछि जे ओ 143 सीट पर तैयारी केने अछि। जखन कतै उम्मीदवार कें ओ मैदान मे उतरता ई अखन तय नहि अछि। एते जरूर अछि जे 100 सं बेसी सीट पर ओ लड़त। अहि तरहे देखि त’ लंबा समय बाद ओ बेसी सीट पर चुनाव लड़य जा रहल अछि। ई सेहो एकटा कारण अछि जे पार्टीक प्रत्याशिक चयन कें ल’ बहुत मंथन चैल रहल अछि।

ई सेहो एकटा कारण अछि जे प्रत्याशिक चनय मे विलंब भ’ रहल अछि। पहिल चरणक सूची नामांकन दाखिल करबाक अंतिम तारीख आठ अक्टूबर कें पार्टी जारी केने छल। पहिल चरण मे ओकर 42 उम्मीदवार मैदान मे अछि। बेसी सीट पर लड़बाक बाद ओकरा कतै सफलता मिलैत अछि, ई त’ चुनाव परिणाम बताओत। मुदा पार्टी कार्यकर्ता मे उत्साह अछि। बेसी-सं बेसी पार्टी कार्यकता कें टिकट भेटल अछि।

असगर लड़ी क’ जीतल छल बेसी सीट
पिछला रिकॉर्ड देखि त’ असगर लड़ी क’ लोजपा बेसी सीट प्राप्त केने छल। वर्ष 2000 मे पार्टीक गठन कें बाद पहिल बेर फरवरी 2005 मे बिहार विधानसभाक चुनाव लड़ने छल। ओहि चुनाव मे लोजपा कें कोनो दल सं गठबंधन नहि छल, मुदा कांग्रेस सं ओकर तालमेल जरूर छल। 2005 मे 178 सीट पर ओ चुनाव लड़ल आ 29 पर विजयी भेल। अतै सीट फेर लोजपा कें अखन-धरी प्राप्त नहि भेल। वर्ष 2005 अक्टूबर-नवंबर मे भेल चुनाव मे लोजपा 10 सीट जितने छल, तखन ओ 203 सीट पर उम्मीदवार उतारने छल । 2010 मे ओकर राजद सं गठबंधन छल, जाहिमे ओकरा 75 सीट भेटल। अहि चुनाव मे लोजपा कें तीन उम्मीदवार विधानसभा पहुँचल छल। ओतय 2015 मे एनडीए कें संग लोजपा छल आ ओ 42 सीट पर लड़ल, जाहिमे ओकरा दू पर सफलता भेटल।

अहाँ अपन विचार लिखु

एतय अहाँ अपन विचार दियौ!
दया कय एतय अहाँ अपन नाम लिखू