पिछला महीना बिहार मे आसमानी बिजली (ठनका) गिरय सं 100 सं अधिक लोक केर मृत्यु भ’ गेल छल। एकरा बाद बिहार सरकार मौसम कें ल’ अलर्ट जारी क’ रहल अछि आ लोक क’ ठनका सं बचबाक तरीका सेहो बता रहल अछि। अहि कड़ी मे बिहार सरकारक आपदा प्रबंधन टीम इंद्रव्रज (Indravajra) नाम सं एकटा मोबाइल एप लॉन्च केने अछि।
Indravajra एप लोक क’ बिजली गिरय सं 40-45 पहिने अलर्ट क’ देत। खास बात ई अछि जे अलर्ट कें तौर पर अहाँ कें स्मार्टफोन केर रिंगटोन बजत। बिहार सरकार राज्य कें लोक सं अहि एप क’ अधिक-सं-अधिक संख्या मे डाउनलोड करबाक अपील केने अछि। आउ जनैत छी अहि एप कें बारे मे….
स्मार्टफोन मे केना इंस्टॉल करि Indravajra एप?
बिहार सरकार कें Indravajra एप क’ गूगल-प्ले-स्टोर सं एंड्रॉयड मोबाइल मे डाउनलोड कयल जा सकेत अछि। गूगल प्ले-स्टोर पर जाको अहाँके सर्च बार मे Indravajra सर्च करय परत। एप क’ डाउनलोड करबाक बाद मोबाइल नंबर कें माध्यम सं रजिस्ट्रेशन करय परत।
रजिस्ट्रेशन कें बाद एप क’ लोकेशन केर परमिशन देबय परत। एकरा बाद अहाँके एप काज केनाइ शुरू क’ देत आ अहाँके लोकेशन कें 20 किलोमीटर कें दायरा मे बिजली गिरय सं 40-45 मिनट पहिने अहाँके अलर्ट भेट जायत। अहि एप क’ अखन धरि एक लाख सं अधिक लोक डाउनलोड केने अछि।