बॉलीवुड अभिनेता सुशांत सिंह (Sushant Singh Rajput) राजपूत केर मृत्यु सं पूरा देशभर मे आक्रोश देखल जा रहल अछि। बेसीतर हुनकर गृह नगर पटना मे लोक हुनक मृत्यु केर सीबीआई जांचक मांग क’ रहला। सुशांत बिहार कें पटना सं छला। 

पटना मे सैकड़ों लोक अहि मांग क’ ल’ सड़क पर उतैर गेला। आयकर गोलंबर पर सैकड़ों युवा बॉलीवुड आ प्रोड्यूसर करण जौहर कें पुतला फूंक आक्रोश व्यक्त केलनि। युवा कें नेतृत्व क’ रहल मनीष कुमार सिंह कहलनि जे सुशांत सिंह (Sushant Singh Rajput) राजपूत कें मृत्यु कें पीछा बॉलीवुड मे चइल रहल गुटबाजी जिम्मेदार अछि। आक्रोश मार्च मे युवागण बॉलीवुड मे बढ़ी रहल भाई-भतीजावाद, गुटबाजी, नव अभिनेता कें संग दुर्व्यवहार क’ ल’ करण जौहर, सलमान खान आदि कें विरोध मे नारेबाजी क’ पुतला दहन केलनि। 

युवा सरकार सं अहि मामला क’ सीबीआई जांच करेबाक मांग रखलनि। अनिकेत झा बतओलनि जे बॉलीवुड कखनो अपन फिल्म मे हिन्दू विरोधी दृश्य देखबैत अछि। कखनो देशद्रोही कें समर्थन मे ठार नज़र अबैत अछि। नव अभिनेता कें संग दुर्व्यवहार करैत अछि। ई सभ’ कृत्य क’ बॉलीवुड समाप्त करैथ नै त’ बॉलीवुड कें खिलाफ बिहार सं ई युवाक आंदोलन पूरा देश मे चलत। शशि शेखर कहलनि जे हम युवा साब कें मांग अछि जे ई घटना केर जांच भेनाइ बहुत जरूरी अछि। अहि मौका पर राहुल यादव, डॉक्टर संजय सिंह, राहुल रंजन, रोहित शर्मा, अनंत राठौर, संजीव प्रताप सिंह आक्रोश मार्च मे शामिल भेला।