बिहारक ‘द माउंटेन मैन’ नाम सं विख्यात दशरथ मांझी कें परिवार संकट मे

0
134

बिहार कें ‘द माउंटेन मैन’ नाम सं विख्यात आ गया निवासी दशरथ मांझी कें परिवार कोरोना लॉकडाउन आ बच्चीक एक्सीडेंटक कारण सं कर्ज मे डूबि गेल अछि। अहि कारण सं हुनक परिवार आब सरकार सं मदद केर गुहार लगा रहल अछि।

पत्नीक प्रेम मे पहाड़क सीना काइट रास्ता बनाबय वला दशरथ मांझी जिनका पर फिल्म सेहो बनल, सड़क बनल आ हुनका सं लोक इंस्पायर्ड भेला। हुनक परिवार आइ दूसर सं मदद केर गुहार लगा रहल अछि। द माउंटेन मैन दशरथ मांझी कें नाती मद्रास मे काज करैत छला। कोरोना कें चलते देश मे लागल लॉकडाउन मे काज छूटलाक बाद ओ अपन घर चइल एला त’ मुसीबतक पहाड़ टूट परल।

पहिने त’ आर्थिक संकट मे घिरल ओकरा बाद दू वर्षीय नतिनी पिंकी कुमारी कें एक्सीडेंट मे एक हाथ आ पैर टूट गेलनि। परिवार लोकनि गांव वला सं कर्ज ल’ नतिनी कें इलाज करओलनि। ओकर इलाज मे लगभग 45 हजार खर्च भेल। स्थिति आब ई अछि जे नै त’ हुनकर संग मे इलाज करबाक लेल रुपया अछि आ नै परिवारक गुजर बसर करबाक लेल। एना मे दरशथ मांझी कें परिवार सरकार सं बच्ची कें इलाजक लेल गुहार लगा रहल अछि।

जाप संरक्षक पप्पू यादव सहयोग लेले आगू एलैथ
मांझी कें बेटा कहलनि जे जन अधिकार पार्टी कें संरक्षक पप्पू यादव पहिने हर महीना 10 हजार रुपया मिलैत छला ओहो नै मिल रहल अछि। मीडिया मे खबर एला बाद जाप अध्यक्ष सह पूर्व सांसद पप्पू यादव अपन पार्टी कें प्रदेश कार्यकारी अध्यक्ष उमेर खान सं बात केलनि आ परिवार कें आर्थिक मदद करबाक निर्देश देलनि।